घायल यादवके शरीरसँ गोली निकालल गेल


सुनसरी, ४ आसिन : सुनसरीके देवानगञ्जमे गोली प्रहारसँ घायल भेल २४ वर्षीय निरज कुमार यादवके शरीरसँ गोली निकालल गेल अइछ ।

देवानगञ्ज गाउँपालिका–१ मध्यहर्षाहीस्थित बीपी चौकपर शैनदिन साँझ गोली प्रहारसँ घायल भेल यादवके विराटनगरस्थित नोबेल शिक्षण अस्पतालमे इलाज भ रहल छैन । हुनक आइ अपरेशन क गोली निकालल गेल जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरीके सूचना अधिकारी चन्द्र बहादुर खड्का बतौलैन ।

यादवके डारसँ निचा दहिना जांघमे गोली लागल छलैन । हरिनगर बजारसँ मोटरसाइकलपर घर घुरैतकाल यादव लक्ष्मी नारायण मन्दिर आगु गोली प्रहारसँ घायल भेल छलैन । घटनाके बाद प्रहरी देवानगञ्ज गाउँपालिका–२ के १८ वर्षीय विष्णु कुमार यादव आ २६ वर्षीय जय कृष्ण यादवकेँ गिरफ्तार कएने अइछ । उक्त घटनामे संलग्न अन्य व्यक्तिके खोजी भ रहल सूचना अधिकारी खड्का बतौलैन ।

युवतीके विषयमे युवासभ बीच भेल विवादसँ उत्पन्न रिसइबीके कारण घटना भेल प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ खुलल प्रहरी जनौलक अइछ । घटना सम्बन्धमे थप अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय