दू दिन बिदासँ सेवा प्रवाहमे सुधार नै भेल, व्यवस्था पुनरवलोकन करबाक माँग


काठमाण्डू, ५ आसिन : राष्ट्रिय सभाके सदस्यसभ हप्तामे दू दिन बिदा आ पाँच दिन कार्यालय सञ्चालन करबाक व्यवस्थासँ सेवा प्रवाहमे अपेक्षित सुधार नै भेल कहैत उक्त व्यवस्था पुनरवलोकन करबाक माँग केलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारके विशेष समयमे नेपाली कांग्रेसक आनन्द प्रसाद ढुङ्गाना दिनमे एक घण्टा कार्यालय समय बढ़ौलाक बादो सेवा प्रवाहमे उल्लेख्य सुधार नै भेल तथा कर्मचारीके जीवनयापनमे समस्या भेल शिकायत एलासँ विद्यमान व्यवस्थाके पुनरवलोकन करबाक माँग केलैन ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) के सांसद मदन कुमारी शाह (गरिमा) भोटेकोशी बाइढ़केँ जलवायु कूटनीतिमार्फत अन्तर्राष्ट्रिय मञ्चपर उठेबाक लेल जोड़ देलैन ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के मीनासिंह रखाल खाना बनाबैबला ग्यासके काला बजारी आ कृत्रिम अभाव नियन्त्रण करबाक लेल सरकारसँ माँग केलैन ।

नेपाली कांग्रेसक विष्णु देवी पुडासैनी विद्युत सेवामे मूल्य अभिवृद्धि कर नै लगेबाक चाही तइपर जाेड़ देलैन ।

नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके राजेन्द्रलक्ष्मी गैरे बुटवल–पाल्पा सड़कखण्डमे निरन्तर दुर्घटना होइत आएल आ मानवीय क्षति भ रहलासँ सड़कके अवस्था सुधार करबाक लेल माँग केलैन ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के सोमनाथ पोर्तेल विपतके समय सब पक्षकेँ एकताबद्ध भ राहत तथा उद्धारमे जुटबाक चाही बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय