काठमाण्डू, ५ आसिन : चीन सरकार भोटेकोशी बाइढ़सँ प्रभावित बालबालिकाके सहयोगक लेल एक करोड़ १० लाख टका प्रदान केलक अइछ ।
नेपालक लेल चिनियाँ राजदूत चाङ माओमिङ शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री सस्मित पोखरेलकेँ शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयमे आइ उक्त रकमके चेक हस्तान्तरण केलैन ।
ओइ अवसरमे मन्त्री पोखरेल विपदके समयमे चीन कएने सहयोगप्रति धन्यवाद व्यक्त करैत आबैबला दिनमे सेहो नेपाल आ चीन बीच आवश्यक समवंय आ सहकार्य निरन्तर रहबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
राजदूत चाङ बाइढ़ प्रभावित बालबालिकाकेँ प्रत्यक्ष सहयोग हुअजका उक्त रकम उपलब्ध कराएल गेल जानकारी देलैन । (रासस)





