भोटेकोशी–त्रिशूली विपदसम्बन्धी संसदीय विशेष समिति गठन


काठमाण्डू, ५ आसिन : प्रतिनिधि सभा १५ सदस्यीय हिमालमे जलवायु परिवर्तनके प्रभाव, जलवायु न्याय तथा भोटेकोसी त्रिशूली विपदसम्बन्धी संसदीय विशेष समिति गठन केलक अइछ । प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे सभामुख डोल प्रसाद अर्याल ‘प्रतिनिधि सभा नियमावली, २०८३’ के नियम १८० बमोजिम गठनके लेल प्रस्तुत कएने विशेष समिति गठनसम्बन्धी प्रस्तावमे बैसार सहमति जनौलक अइछ ।

समितिमे सांसद अच्युतम लामिछाने, अनुष्का श्रेष्ठ, गंगादेवी श्रेष्ठ, गणेश पराजुली, ध्रुवराज राई, धनञ्जय रेग्मी, निशा डाँगी, पुष्पराज कँडेल, मोहन आचार्य, रमेश कुमार मल्ल, मिङ्मा ग्याबु शेर्पा, रबिन्द्र पटेल, सरस्वती लामा, सुजाता तामाङ आ सीता थपलिया छैथ । समितिके पहिल बैसारसँ अध्यक्ष चयन कएल जाएत ।

हिमालमे जलवायु परिवर्तनके प्रभाव तथा भोटेकोसी त्रिशूली विपदके अध्ययन क प्रभावित नागरिकके पुनःस्थापना, दीर्घकालीन पुनर्निर्माण, भविष्यके जोखिम न्यूनिकरण, आवश्यक कानुनी तथा संस्थागत सुधार आ जलवायु न्यायके लेल राज्यद्वारा अवलम्बन कएल जाएबला कार्यदिशा सिफारिस करबाक समितिके उद्देश्य अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय