रासस/एएनआई
हाजीपुर (बिहार), २८ आसिन : भारतके बिहार राज्यस्थित वैशाली जिलामे नाउ डुबलासँ १३ गोटे बालबालिकाके मृत्यु भेल अइछ, तँ सात गोटेकेँ उद्धार कएल गेल अइछ । जिला मजिस्ट्रेट वर्षा सिंहके कहब अनुसार मृत्यु भेल बालबालिकासभ १५ साल वा ओइसँ कम उमेरके अइछ ।
मङ्गलदिन साँझ करिब ८ः३० बजे बगलके गामसँ भोजमे सहभागी होबाक लेल जाइत काल करिब १५ सँ २० गोटे बालबालिका सवार नाउ उनटलासँ दुर्घटना भेल ओ बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार उद्धार कएल गेल सात गोटेकेँ इलाजक लेल एनएमसीएच पठाएल गेल अइछ आ ओकरासभक अवस्था स्थिर अइछ ।
अइ बीच, भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी दुर्घटनामे बालबालिकाके मृत्यु भेल घटनाप्रति दुःख व्यक्त केलैन । मृतकके परिवारकेँ प्रधानमन्त्री राष्ट्रिय राहत कोष (पीएमएनआरएफ) सँ प्रतिपरिवार भारतीय रुपैयाँ दू लाख टका आ घायल भेल व्यक्तिकेँ भारतीय रुपैयाँ ५० हजार टका आर्थिक सहायता उपलब्ध करेबाक घोषणा केलैन अइछ ।
तहिना, बिहारक मुख्यमन्त्री सम्राट चौधरी दुर्घटनामे मृत्यु भेल बालबालिकाके परिवारकेँ जनही चाइर लाख भारतीय रुपैयाँ आर्थिक सहायता उपलब्ध करेबाक घोषणा केलैन अइछ । एआइद्वारा निर्मित प्रतिकात्मक तस्विर





