किसानके सिंचाइ विद्युत् महसुल तिरत छिन्नमस्ता गाउँपालिका


दलान न्यूज डेस्क
राजविराज । सप्तरीक छिन्नमस्ता गाउँपालिका अपन पालिका भित्तरके किसानसबके सिंचाइ विद्युत् महसुल चुक्ता करैके निणर्य कएलक अइछ ।
कृषि उत्पादन बढेबाक लेल कृषि विद्युतीकरण कार्यक्रम अन्तर्गत खेत खेतमे गाउँपालिका सिँचाइ सुविधा सेहो पहुँचेबाक निणर्य लेल गेल जानकारी प्राप्त भेल अइछ । ४० हजार जनसंख्या रहल अइ पालिकामे ९५ प्रतिशत जनता कृषि पेसामा आवद्ध छै । सिँचाइके लेल अन्य विकल्प नइँ भेलाके कारण किसानसब डिजेलस चलएबाला पम्पींगसेटस’ जेनातेना खेती करैत आइब रहल छल ।
कृषि विद्युतीकरणस’ सिँचाइ कएलापर कम लागतमा बेसी सिंचाइ आ उत्पादन सेहो वृद्धि होयबाक प्रबल सम्भावना रहलाक कारणें एहेन निणर्य लेल गेल गाउँपालिकाके अध्यक्ष बिद्यानन्द चौधरी सञ्चारकर्मीसबके जानकारी देलक । हुनक कहब अनुसार गत असार ७ गते सम्पन्न १०अम् गाउँसभा बैठकस’ खेत सिँचाइ कएलापर उठल विद्युत महसुल पचास प्रतिशत गाउँपालिका तिरबाक निणर्य कएल गेल छल ।

ताजा खबर
लोकप्रिय