काठमाण्डू, १९ अखारः मलेसियाकेँ हराबैत नेपाल एसिसी पुरुष यु–१६ इस्ट जोन कप क्रिकेट प्रतियोगिताके फाइनलमे पहुँचल अइछ ।
मलेसियाके सिलेगंर ट्रफ क्लबमे आइ भेल सेमिफाइनल खेलमे नेपाल मलेसियाकेँ नौ विकेट पराजित करैत प्रतियोगिताके फाइनलमे पहुँचल अइछ । मलेसियाक ९१ रन लक्ष्यकेँ नेपाल ११ दशमलव चाइर ओभर आ एक विकेटके क्षतिमे पूरा कएलक।
नेपालके जीतमे परिमार्जन यादव सर्वाधिक ५९ रनके योगदान देलक । ओ ३५ बलमे पाँच चौका आ पाँच छक्काके सहयोगमे सर्वाधिक रन बनेलक अइछ । तहिना शिवाशं बजगाईं २२ बलमे पाँच चौकाके सहयोगमे २३ रन बनेलक । मलेसियाक लेल नागिनिश्वरम एक विकेट लेलक ।
अइसँ पहिने टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने मलेसिया ४३ दशमलव एक ओभरमे ९० रनमे अलआउट भेल । मलेसियाक लेल मोहम्मद फतुल ७१ बलमे सर्वाधिक ३८ रन बनेलक । तहिना कप्तान डिज पार्तो ३२ बलमे १० रन बना क आउट भेल ।
नेपालके अभय यादव चाइर विकेट लेलक तँ शुभम खनाल तीन विकेट लेलक । तहिना कप्तान विपिन प्रसाद शर्मा आ सचिन भट्ट समान एक–एक विकेट लेलक । आब नेपाल उपाधिक लेल दोसर सेमिफाइनलके विजेता टोलीसङ खेलाएत ।
दोसर सेमिफाइनल हङकङ आ सिङ्गापुरबीच भ रहल अइछ ।नेपाल समूह ‘ए’के विजेता आ मलेसिया समूह ‘बी’के उपविजेताके रुपमे सेमिफाइनल पहुँचल अइछ । बितल संस्करणके फाइनलमे मलेसियाकेँ हराबैत नेपाल च्याम्पियन बनल छल । रासस





