अगिला आर्थिक वर्षके मौद्रिक नीति सार्वजनिक


काठमाण्डू, २७ अखारः नेपाल राष्ट्र बैंक अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क लेल मौद्रिक नीति सार्वजनिक कएलक अइछ ।

मौद्रिक नीति सार्वजनिक करैत राष्ट्र बैंकके गभर्नर डा विश्वनाथ पौडेल सजगतापूर्वक लचगर नीति अवलम्बन कएल गेल बतौलैन । दोसर वित्तीय क्षेत्र रणनीतिक स्वीकृत क कार्यान्वयनमे आनल जेबाकनीतिमे उल्लेख अइछ ।

ब्याजदर करिडोरके उपरका सीमामे बैंकदरकेँ छ प्रतिशत आ नीतिगत दरकेँ साढे़ चाइर प्रतिशत कायम कएल गेल अइछ । अइसँ पहिने बैंकदर साढे़ छ प्रतिशत आ नीतिगत दर पाँच प्रतिशत छल ।

मौद्रिक नीतिमार्फत निजी आवासीय घर निर्माण तथा खरिदके लेल प्रवाह कएल जाएबला कर्जाके सीमा दू करोड़सँ बढ़ाबैत तीन करोड़ टका कायम कएल गेल अइछ । पहिल घर निर्माणमे वा खरिदमे कर्जा-मूल्य अनुपात ८० प्रतिशतधैर आ अन्यके हकमे बेसीमे ७० प्रतिशतधैर कायम करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

व्यक्तिगतदिस शेयर धितो कर्जाके सीमा १५ करोड़सँ बढ़ाबैत २५ करोड़ टका कएल गेल छै। विदेश भ्रमणके नगदके सीमा दू हजार पाँच सओ अमेरिकी डलरसँ तीन हजार अमेरिकी डलर बनाएल गेल अइछ ।

अगिला आर्थिक वर्षमे निजी क्षेत्रमे १२ प्रतिशत प्रवाहित कर्जा वृद्धि करबाक लक्ष्य मौद्रिक नीतिमे तय कएलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय