काठमाण्डू, ८ साओनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी(एकीकृत समाजवादी)क सांसद कृष्ण कुमार श्रेष्ठ मधेश प्रदेशमे तत्काल पियैबला पाइनके आपतकालिन आपूर्ती आ पाइनके स्रोतके मर्मतमे तत्काल उपाय करबाक लेल सरकारक ध्यानार्कषण कराैने अइछ ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे आकस्मिक समयमे बाजैत ओ मधेश प्रदेशकेँ विपद सङ्कट क्षेत्र घोषणा कएलोपर समस्या समाधानक लेल सरकार गम्भीर नै भेल कहैत खेद प्रकट केलैन ।
मधेशमे सिँचाइ आ पियैबला पाइनके अभावबारे सभामुखमार्फत सरकारके ध्यानार्कषण कराबैत ओ पाइन उपर राजनीतिक नियन्त्रण भेल कहैत असन्तुष्टि सेहो व्यक्त केलैन ।
“पाइनके अभावमे रहल मधेशक समस्याकेँ सरकार नाटक जकाँ देख रहल अइछ”, सांसद श्रेष्ठ कहलैथ, “ पाइनके आपतकालिन आपूर्ति आ पाइनके स्रोतके मर्मतमे तत्काल कोनो उपाय नै अपनेने छै । नयाँ डिप बोरिङके राजनीतिकसँ पड़ोसी जिलाक मन्त्रीकेँ निर्वाचन क्षेत्रमे राहत मिल सकैत छै, मुदा मधेशके बाकी कोनो जिलाके नागरिककेँ सरकार महसूस नै क सकल अइछ ।”
नेपाली कांग्रेसक सांसद रमा कोइराला पौड्याल मधेशमे पाइनके अभावसम्बन्धी विषयमे बजेट विनियोजन करबाक आग्रह केलैन । रासस





