जनकपुरधाम, १ भादव । मैथिली साहित्यकार सभा राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) मैथिली मातृभाषा सेवा संयोजक गजेन्द्र गजुरकेँ सम्मान कएने अइछ ।
सभाक १४म वार्षिक उत्सवके अवसरमे आइ एत आयोजित कार्यक्रममे गजुरकेँ विगत १२ वर्षसँ मैथिली भाषा, साहित्य अभियान तथा अनुवादमे योगदान देल कहैत ‘दिनाभद्री भाषा अभियानी सम्मान’ प्रदान कएल गेल अइछ ।
हुनका साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल आ रोशन जनकपुरी दोसल्ला तथा सम्मान प्रदान केलैन । कार्यक्रममे साहित्यकार विद्यानन्द वेदर्दी, लेखक रामरिझन यादव सहित विभिन्न साहित्यकार तथा अभियानीसभकेँ सेहो सम्मानित कएल गेल अइछ।
कार्यक्रममे मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी कहलैन “भाषा आयोगद्वारा मधेश प्रदेशमे कामकाजक लेल मैथिली भाषाकेँ सिफारिस कएलाक बादो अखनधैर लागू नै करब दुःखद अइछ । ओ तत्काल आयोगक सिफारिस कार्यान्वयनक लेल आग्रह केलैन ।” रासस





