अराजकताके नियमन करबाक लेल सामाजिक सञ्जालसम्बन्धी विधेयकः मन्त्री गुरुङ


गण्डकी, ६ भादबः सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरुङ मिडियाके नामपर देखल गेल अराजकताके नियमन करबाक लेल सरकार सामाजिक सञ्जाल प्रयोग सञ्चालन आ नियमन करेबाक विधेयक आइन रहल बतौलैन अइछ ।

प्रेस चौतारी नेपाल कास्कीद्वारा आइ पोखरामे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ, सरकार आइन रहल विधेयकके सम्बन्धमे लोकसभकेँ भ्रमित क रहल बतौलैन । मन्त्री गुरुङ कहलैन,“सरकार ई विधेयक नियन्त्रण करबाक लेल नै भ नियमनके लेल आइन रहल छै । ई सरकार लोकतान्त्रिक सरकार छियै । लोकतान्त्रिक मूल्य मान्यताकेँ कुण्ठित करब ककरो छुट नै अइछ ।”

राष्ट्रियता, राष्ट्रिय स्वाधीनता आ राष्ट्रिय एकता विरोधी कोनो तरहक गतिविधि नै सहब कहैत ओ ‘साइबर क्राइम’ के नियन्त्रण आवश्यक रहलासँ कानुनी आधार निर्माणक लेल ऐन आइन रहल स्पष्ट केलैन । स्पष्ट कानुन नै भेलासँ विद्युतीय अपराध नियन्त्रण चुनौतीपूर्ण रहल आ ९–१० महिनाके अवधिमे साइबर क्राइमसम्बन्धी १९ हजारसँ बेसी सिकायत प्रहरीमे आएल ओ जानकारी देलैन ।

तहिना प्रेस काउन्सिल विधेयककेँ प्रतिस्थापन करबाक लेल मिडिया काउन्सिल विधेयक आइन रहल कहैत मन्त्री गुरुङ अइ विधेयकसँ सब तरहक मिडियाकेँ नियमन करबाक बतौलैन । “सञ्चार क्षेत्रसँ सम्बन्धित पुरान कानुनके परिमार्जनसहित आवश्यक सब तरहक नयाँ कानुन आइन रहल छी”, ओ कहलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय