लहानमे मोतियाबिन्दुके निःशुल्क शल्यक्रिया


सिरहा, २५ आसिन: लहान नगरपालिकाके आर्थिक आ सगरमाथा चौधरी आँखा अस्पतालक प्राविधिक सहयोगमे सञ्चालित शिविरसँ पहिचान कएल गेल ५० गोटे मोतियाबिन्दु बेमारके चौधरी आँइख अस्पतालमे निःशुल्क शल्यक्रिया कएल गेल अइछ ।

इएह आसिन २२ गते राजदेवी मन्दिर प्राङ्गणमे निःशुल्क आँइख जाँच शिविर आयोजना कएल गेल छल । ओइ शिविरमे ३०१ व्यक्तिके आँइखक जाँचमे ९६ व्यक्तिके मोतियाबिन्दु भेल छल । पहिल चरणमे ५० व्यक्तिके निःशुल्क शल्यक्रिया कएल गेल अइछ । अन्य ४६ व्यक्तिके आइ शल्यक्रिया कएल जेबाक वाडध्यक्ष तेज नारायण चौधरी जानकारी देलैन अइछ ।

शल्यक्रियाक बाद डिस्चार्ज भेल बेमारसभकेँ नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी अस्पतालमे हुनकासभकेँ फलफूल वितरण केलैन । सङे ओ बेमारसभकेँ नगर बसमार्फत घरधैर पहुँचेबाके व्यवस्था कएल गेल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय