धान नै कटेलासँ किसान चिन्तित


गोपालप्रसाद बराल / रासस
महोत्तरी, १३ कातिकः भर्खरे दीपावली आ छैठसहित मुख्य पावैन समाप्त भेलासँ अइ ठाँमक किसान अखन मुख्यबाली धान नै कटेलासँ चिन्तित भेल अइछ । बुधदिन मध्यराइतसँ लगातार भ रहल वर्षाक कारण चिन्तित बनल छैथ।

महोत्तरीसहित मधेशक जिलामे मङ्गलदिन भोरसँ मौसम धुइनगर भेलासँ बुधदिन भोरेसँ सिमसिम पाइन पड़ल छल । बुधदिन दुपहरमे राैदी भेलोपर राइतसँ वर्षा भेलाक बाद खेतमे पाकल धान काट्ब, दाैनी करब लगायतके काज नै भेलासँ किसानके चिन्ता बढ़ल अइछ । खास क महोत्तरिके उत्तरी क्षेत्र बर्दिबास, गौशाला आ भङ्गाहा नगरपालिका क्षेत्रक धान काटए लेल तैयार किसान चिन्तित भेल छैथ ।

“धान खेतमे पाइक क पीयर भेल छै, पाबैन समापन भेलापर काटब, समेटब कहलियै, वर्षा हुअ लागल”, भङ्गाहा–५ कर्पुरगञ्जक ६० वर्षीय किसान रामजुलुम बाँतर कहैत छैथ, “पाइन पड़ैत-पड़ैत काटए सेहो नै भेल, धान झइर क नोक्सान भ जाएत ।” धान काइट क किछु दिन खेतमे सुखेबाक छलै, मुदा ई पाइनसँ काज बिगरल, बाँतर कहैत छैथ ।

महोत्तरी सहितक मधेशक उत्तरी क्षेत्रमे जल्दी पाइकैबला धान लगाएल जाइत अइछ । उत्तरी क्षेत्रक माइट बलौटे भेला कारण जल्दी सुखाइत अइछ । ताहि लेल गहूम, दलहन, तेलहन, तरकारी आ ऊखक खेती जल्दी लगाएल जाएबला अइ क्षेत्रमे जल्दी पाइकैबला धान लगाएल जाइत अइछ । अइ बेर बर्खा कालमे लम्बा समयधैर सुखा पड़लासँ धान रोपनीमे देरी भेल आ अइ क्षेत्रमे पाइकैबला समय कातिक दोसर सप्ताह पहुँचल अइछ ।

महोत्तरीक बर्दिबास, गौशाला आ भङ्गाहा नगरपालिका क्षेत्रमे अखन धान पाइक क पीयर भेल अइछ । अधिकांश किसान धान काटै क तैयारीमे लागल समय अखन पाइन पड़लासँ ई काज बाधित भेल अइछ ।

“अखन पाइन तँ नै चाही, मुदा हमरा दिस धान पाइकैमे अखनो दू सप्ताह लागत, ताहि लेल अखन पाइनसँ बेसी नोक्सान नै करत”, रामगोपालपुर–२ महानपुरक किसान कादिर हुसैन कहैत छैथ, “जोरगर पाइन पड़ल तँ धान झरत से डर अइछ ।”

खेतीपाती प्रतिकूलतामे करए पइड़ रहल आम किसानक शिकायत अइछ । कहियो रौदी,कहियो बेमौसमक बरखा, ई सब असुविधाक बीच खेतीपाती क रहल छी, किसान कहैत छैथ ।

एही बीच मधेश प्रदेश सरकार अखन बङ्गालके खाड़ीक मोन्था चक्रवातक प्रभाव मधेशक सब जिलामे पड़त कहि क सचेत करबैत तत्काल धान नै काटै लेल किसानकेँ सचेत कएने अइछ । बुधदिन मधेश प्रदेश विपद् व्यवस्थापन कार्यकारी समितिक बैसारक बाद मुख्यमन्त्री जीतेन्द्र सोनल अखन सावधानी अपनेबाक लेल आम प्रदेशवासीकेँ सचेत करबैत अनुकूल मौसम नै भेलाधैर धान नै काटबाक  लेल अपील कएने छैथ ।

“प्रदेश सरकार विपद्के बारेमे सचेततापूर्वक तैयारीमे लागल अइछ, ई अवस्थाकेँ हल्का रूपमे नै ली”, मुख्यमन्त्री अपील करैत कहलैन । ई मौसम आओर दू दिन रइह सकैत अइछ, प्रदेश सरकार नदीसभमे बहाव बइढ़ सकैत अइछ, ताहि लेल तटीय क्षेत्रक बासीकेँ विशेष सतर्कता अपनेबाक लेल अपील कएने अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय