राष्ट्रिय समाचार समिति
काठमाण्डू, १ मङ्सिरः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)के उद्घाटन खेलमे साविक विजेता जनकपुर बोल्ट्सकेँ पराजित करैत काठमाण्डू गोर्खाज सुखद् सुरुआत केलक अइछ ।
कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे आइ भेल खेलमे काठमाण्डू जनकपुरके पाँच विकेटसँ पराजित करैत जीत हासिल केलक अइछ ।
जीतके लेल एक सओ ३१ रनक लक्ष्यसहित मैदान आएल काठमाण्डू १८ ओभर खेलैत पाँच विकेटके नोक्सानीमे लक्ष्य पूरा केलक ।
काठमाण्डूके जीतमे बेन चार्ल्सवर्थ ४६ रन बनौलैन । तहिना, आकाश त्रिपाठी ३९ रन बनौलैन, तँ मिलिन्द कुमार १९ रन आ जोहन सिम्पसन १३ रनक योगदान केलैन ।
बलिङदिस जनकपुरक किशोर महतो, अनिल साह, सञ्जय कृष्णमूर्ति आ ललित राजवंशी समान एक/एक विकेट लेलैन ।
टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने जनकपुर निर्धारित २० ओभरमे छ विकेटके नोक्सानीमे एक सओ ३० रन बनौने छल ।
जनकपुरक लेल आसिफ शेख सर्वाधिक ५४ रनक योगदान देलैन । तहिना, मयन यादव ३४ तथा लाहिरु समारकून २२ रन बनौलैन, तँ लाहिरु मिलन्था सात रनमे आउट भेलैन ।
काठमाण्डू गोर्खाजके लेल मिलिन्द कुमार तीन विकेट लेलैन । तहिना, सन्तोष यादव, साहब आलम तथा करण केसी समान एक÷एक विकेट लेलैन ।
मङ्गलदिनक पहिल खेलमे चितवन राइनोज आ कर्णाली याक्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । तहिना, दोसर खेल विराटनगर किङ्स आ पोखरा एभेन्जर्स बीच हएत । पहिल खेल भोर ११ः४५ बजेसँ सुरु हएत, तँ दोसर खेल दुपहर ४ः०० बजेसँ हएत ।
आइसँ सुरु भेल प्रतियोगिता इएह मङ्सिर २७ गतेधैर संचालन हएत । (रासस)





