नितिश कुमारद्वारा रेकर्ड कायम, दशम बेर बिहारक मुख्यमन्त्री पदके शपथ ग्रहण


पटना, ४ अगहनः जनता दल (युनाइटेड) के प्रमुख नितिश कुमार आइ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी तथा राष्ट्रिय लोकतान्त्रिक गठबन्धन (एनडिए)क वरिष्ठ नेतासभक उपस्थितिमे इतिहास रचैत दशम बेर बिहारक मुख्यमन्त्रीके रुपमे शपथ ग्रहण केलैन अइछ ।

सन् २०२० मे प्रधानमन्त्री मोदी शपथ समारोहमे सहभागी भेल छलैन । मुदा, अइ बेर हुनक विशेष उपस्थितिसँ कार्यक्रमकेँ आओर बेसी अर्थपूर्ण बनौने अइछ ।

शपथ ग्रहण पटनाके ऐतिहासिक गान्धी मैदानमे सम्पन्न भेल अइछ । अइ ठाम नितिश कुमार सन् २००५, २०१० आ २०१५ मे सेहो सरकार गठनके घोषणा कएने छलैन । ई स्थान सन् १९७४ मे जयप्रकाश नारायण ‘पूर्ण क्रान्ति’के आह्वान कएने ऐतिहासिक पृष्ठभूमिके कारण प्रख्यात मानल जाइत अइछ ।

कार्यक्रममे एनडिएद्वारा नेतृत्व कएल गेल विभिन्न राज्यके मुख्यमन्त्रीसभक सेहो उपस्थिति छलैन । शपथ समारोहमे हरियाणाके मुख्यमन्त्री नायब सिंह सैनी, असमके मुख्यमन्त्री हिमन्त बिस्वा सरमा, नागाल्यान्डके मुख्यमन्त्री नेफियू रियो, आन्ध्र प्रदेशके मुख्यमन्त्री एन. चन्द्रबाबु नायडू, उत्तर प्रदेशके मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ आ उत्तराखण्डके मुख्यमन्त्री पुष्कर सिंह धामीलगायत प्रतिष्ठित व्यक्तिसभक सहभागीता छलैन ।

बिहारक राज्यपाल आरिफ मोहम्मद खान, एलजेपी (राम विलास) के नेता चिराग पासवानलगायतक प्रमुख व्यक्तित्वसभ सेहो समारोहमे उपस्थित छलैन ।

बुधदिन आयोजित नयाँ विधायकसभक बैसारमे जेडीयू विधायक दल सर्वसम्मतिसँ नितिश कुमारकेँ पहिल बेर अपन दलक नेताके रुपमे चयन कएल गेल छल । ओइके बाद एनडिए विधायक दल सहो आइ हुनका सर्वसम्मतिसँ नेताके रुपमे चयन करैत नयाँ सरकार गठनके बाट खुला कएने छल ।

भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)के प्रदेश मुख्यालयमे भेल बैसारमे सम्राट चौधरी आ विजय कुमार सिन्हाकेँ भाजपाके विधायक दलके नेता तथा उपनेता चयन कएल गेल अइछ ।

अइ बेर एनडिए २ सओ ४३ मध्ये २ सओ २ सिटमे ऐतिहासिक बहुमतसँ जीत हासिल कएने अइछ । महागठबन्धन ३५ सिटमे सीमित भेल छल । तीन चौथाइ बहुमतसहित एनडिए राज्यमे वितल १५ वर्षके बाद इतिहास दाेहराबैत २ सओसँ बेसी सिटमे जीत हासिल कएने अइछ ।

दू चरणमे नोभेम्बर ६ आ ११ मे सम्पन्न भेल बिहार विधान सभा चुनावमे ६७.१३ प्रतिशत मत खसल छल । रासस/एएनआई

ताजा खबर
लोकप्रिय