वीरगञ्ज भंसारद्वारा चाइर महिनामे ३३ अरब राजस्व सङ्कलन


वीरगञ्ज । वीरगञ्ज भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल चाइर महिनामे पाँच प्रकारक पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ २२ अरब ९० करोड़ टका आ यातायातके साधन एवं ओकर पार्टपुर्जासँ १० अरब १० करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।

कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल चाइर महिनामे लोहा तथा लोहासँ बनल सामानसँ चाइर अरब ५८ करोड़ टका, कपड़ासँ चाइर अरब २५ करोड़ टका, मेसिनरी तथा पार्टपुर्जाके आयातसँ तीन अरब १७ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएने अइछ ।

इलेक्ट्रिक मेसिनरी, उपकरण आ ओकर पार्टपुर्जा आयातसँ तीन अरब सात करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल कार्यालय जनौने अइछ । चालु आर्थिक वर्षके चाइर महिनामे वीरगञ्जसँ दू खरब ८४ अरब ८९ करोड़ टका बराबरके सामान आयात कएल गेल अइछ । कार्यालय चालु आर्थिक वर्षमे ७५ अरब ५९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल सेहो जनौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय