प्रधानमन्त्री कार्कीसँ प्रमुख दलके शीर्ष नेतासँ बातचित भ रहल


काठमाण्डू, १२ पुसः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की आ प्रमुख तीन राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासभक बीच अगिला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनका विषयमे बातचित हएत ।

प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे आइ दुपहर हुनकासभक बीच हाेएबला संवादमे नेपाली कांग्रेसक सभापति शेरबहादुर देउवा, नेकपा (एमाले)क अध्यक्ष केपी शर्मा् ओली आ नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके संयोजक पुष्पकमल दाहाल रहत । उक्त बातचित अगिला निर्वाचनके विषय केन्द्रित रहबाक सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल जानकारी देलैन अइछ ।

जेनजी आन्दोलनके बाद उत्पन्न राजनीतिक परिस्थितिकेँ सहज बनाबैत अगिला निर्वाचनकेँ निर्धारित मितिमे करबाक लेल सरकार दलसभसँ निरन्तर वार्ता आ संवाद आगू बढ़ाैने अइछ ।

सएह सन्दर्भमे शुक्रदिन नेपाल सरकारक प्रवक्ता तथा मन्त्री खरेल प्रमुख राजनीतिक दलके शीर्ष नेतासभकेँ हुनकासभके निवासमे पहुँच क भेटवार्ता कएने छल । भेटमे हुनकासभ सरकारकेँ वर्तमान राजनीतिक निकासक लेल निर्वाचन एक मात्र विकल्प रहलासँ ताहि लेल आवश्यक वातावरण बनेबाक सरकारकेँ आग्रह कएने छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय