धनुषा, १५ पुसः मधेश प्रदेशमे मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादवके नेतृत्वमे नयाँ सरकार गठन भेल एक महिना भेलाक बादो मन्त्रिमण्डल पूर्ण विस्तार नै भेलाक कारण समस्या भेल अइछ ।
सरकार गठन भेलाक बाद प्रभावकारी आ जनमुखी शासन संचालन करबाक प्रतिबद्धता जनौलाक बादो अखनधैर ओइ अनुसार काज नै भ सकल अइछ । छ दलके समर्थनमे बितल अगहन १९ गते प्रदेश प्रमुखके कार्यालयसँ मुख्यमन्त्रीमे नियुक्त भेल यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासके मत प्राप्त कएने छलैन । विश्वासके मत प्राप्त भेल १० दिनसँ बेसी भेलाक बादो मन्त्रिमण्डल विस्तार नै भेलाक कारण सरकारक कार्यक्षमता आ स्थायित्व प्रभावित बनल जानकारसभ बतबैत छैथ ।
प्रदेश सरकारअन्तर्गत ११ टा मन्त्रालय भेलमे अखनधैर पाँच गोटे मात्रे मन्त्री नियुक्त भेल अइछ । बाँकी छ मन्त्रालय मन्त्रीविहीन भेलासँ प्रशासनिक निर्णय, नीति कार्यावंयन तथा सेवा प्रवाहमे प्रत्यक्ष असर भेल विश्लेषसभक कहब छैन । जसपा नेपाल, जनमत पार्टी, नेपाली कांग्रेस, माओवादी केन्द्र, लोसपा आ एकीकृत समाजवादी पार्टीके समर्थनमे बनल वर्तमान सरकार तत्काल पूर्ण नै भेलासँ जनअपेक्षा पूरा करत तइमे शङ्का उत्पन्न होबाक विश्लेषकसभ बतबैत छैन ।
लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा) शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्रालय, जनमत पार्टी अर्थ मन्त्रालय, नेपाली कांग्रेस स्वास्थ्य मन्त्रालय, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) ऊर्जा, सिँचाइ तथा खानेपानी मन्त्रालय तथा नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) उद्योग, वाणिज्य तथा पर्यटन मन्त्रालयके जिमेवारी लेने अइछ । तहिना, जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) सभामुख पद प्राप्त कएने अइछ ।
नेपाली कांग्रेसक प्रमुख सचेतक कुमार कान्त झा मन्त्रिमण्डलकेँ पूर्णता देबाक लेल आओर किछ समय लागबाक बतौलैन । दलसभमे आन्तरिक परामर्श, मन्त्री छनौट तथा आवश्यक प्रक्रियाके कारण समय लागल हुनक कहब छैन । “सरकार विस्तारमे देरी भेलाक बादो दलसभमे आवश्यक परामर्श भ रहल छै । किछ दिन भीतर मन्त्रिमण्डल पूर्णता पाओत”, झा कहैन ।
प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क संसदीय दलक नेता तथा निवर्तमान मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव मन्त्रिमण्डल अपूर्ण भेलाक कारण प्रदेश सरकार कमजोर देखल गेल टिप्पणी करैत तत्काल मन्त्रिमण्डल विस्तार करबाक माँग केलैन । “आब सरकारकेँ देरी नै करबाक चाही । तत्काल मन्त्रिमण्डलकेँ पूर्णता द काजमे आगु बढ़बाक चाही”, ओ कहलैन, “मन्त्रिमण्डल अपूर्ण भेनाइ सरकारके कमजोरी छै । अइसँ जनताकेँ सेवा प्रवाहमे समस्या भ सकैत छै ।”
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)के नेता युवराज भट्टराई मन्त्रालय भागभन्डाके विषय मिल चुकल बतबैत मुख्यमन्त्री काठमाण्डूसँ घुरलाक बाद सरकार विस्तार होबाक उल्लेख केलैन । हुनक कहब अनुसार मुख्यमन्त्री यादव अखन आसन्न निर्वाचनक लेल उम्मेदवार छनौट प्रक्रियामे व्यस्त रहलासँ मन्त्रिमण्डल गठनमे देरी भेल अइछ ।
राजनीतिक समवंय, दल भीतरके शक्ति सन्तुलन आ निर्वाचन केन्द्रित गतिविधिके कारण सरकार विस्तार प्राथमिकतामे नै भेलासँ लम्बा समयधैर मन्त्रिमण्डल अपूर्ण भेलासँ प्रदेशक सुशासन, विकास निर्माण तथा दैनिक प्रशासनिक कामकाजके लेल प्रतिकूल होबाक कहैत नागरिक समाज आ प्रशासनिक क्षेत्रसँ चिन्ता व्यक्त होबए लागल अइछ । (रासस)





