राससके कार्यकारी अध्यक्ष झासहित तीन पत्रकार सम्मानित


काठमाण्डू, २८ पुसः मधेशी पत्रकार समाज नेपाल, राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)के कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झासहित तीन गोटे पत्रकारकेँ सम्मान केलक अइछ ।

सहिद पत्रकार उमा सिंहके १७म स्मृति दिवसके अवसरमे रैबदिन काठमाण्डूमे आयोजित उमा सिंह पत्रकारिता सम्मान कार्यक्रम–२०८२ मे पत्रकारिताके क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदान कएने कहैत तीन गोटे पत्रकारकेँ विभिन्न विधामे सम्मान कएल गेल ।

कार्यक्रममे राससके कार्यकारी अध्यक्ष झा, नेपाल टेलिभिजनके पत्रकार स्वेता सिन्हा तथा नेपालगञ्जके पत्रकार निलम शर्माकेँ सम्मान कएल गेल मधेशी पत्रकार समाज नेपाल जनौलक अइछ ।

समाजक अध्यक्ष मोहन कुमार सिंह झाकेँ विशेष सम्मान, सिन्हाकेँ साहसिक पत्रकारिता सम्मान तथा शर्माकेँ भाषा तथा संस्कृति सम्मान प्रदान कएल गेल बतौलैन । हुनक कहब अनुसार सम्मानित पत्रकारसभ अपन–अपन कार्यक्षेत्रमार्फत समाजमे सकारात्मक परिवर्तन आनबाक लेल महत्त्वपूर्ण योगदान कएने कहैत सम्मान कएल गेल अइछ ।

सहिद पत्रकार स्व सिंहके न्यायके लेल निरन्तर आवाज उठेबाक सङे मधेशक समसामयिक राजनीतिक, सामाजिक तथा सांस्कृतिक विषयमे कलम चलौने कारण हुनकसभक योगदानके उच्च मूल्याङ्कन करैत तीनू गोटेकेँ सम्मान कएल गेल अध्यक्ष सिंह बतौलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय