काठमाण्डू, ७ माघः निर्वाचन आयोगक ताजा विवरणअनुसार अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीदिस देशक १ सओ ६५ निर्वाचन क्षेत्रमे तीन हजार ४ सओ ८६ गोटेक उम्मेदवारी दर्ता भेल अइछ । किछ क्षेत्रमे एकेटा पार्टीसँ दूटा उम्मेदवारी सेहो दर्ता भेल स्थितिमे जाँच कएलापर प्रारम्भिक सूचीमे सामान्य परिवर्तन भेल आयोग जनाैलक अइछ ।
इएह माघ ६ गते देशभैर एके बेर मनोनयनपत्र दर्ता सम्पन्न भेल छल । जमा तीन हजार ४ सओ ८६ उम्मेदवारीमध्ये पुरुष तीन हजार ८९, महिला ३ सओ ९६ आ तेसर लिङ्गी एक गोटे अइछ । दर्ता भेल उम्मेदवारक बारेमे आइ योग्यतासम्बन्धी प्रश्न भेलापर उजुरी देबाक लेल आयोगद्वारा समय निर्धारण कएल गेल अइछ । रासस





