महिला टी–२० विश्वकप ग्लोबल छनौटः नेपाल स्कटल्यान्डसँ पराजित


काठमाण्डू, १२ माघः आइसिसी महिला टी–२० विश्वकप ग्लोबल छनौटमे नेपाल स्कटल्यान्डसँ पराजित होइत प्रतियोगिताक समूह चरणसँ बाहर भेल अइछ । र्कीतिपुरस्थित त्रिवि क्रिकेट रङ्गशालामे आइ भेल समूह चरणके अन्तिम खेलमे नेपाल स्कटल्यान्डसँ ७२ रनसँ पराजित भेल अइछ ।

जीतक लेल १ सओ ४१ रनक लक्ष्यसहित मैदान आएल नेपाल १३ दशमलव पाँच ओभरमे सब विकेटके नोक्सानीमे ६८ रन मात्रे बनौलक । नेपालक लेल रोमा थापा ना आउट रहँदैन १४ रन बनौलैन ।

तहिना, विन्दु रावल १४ तथा रुविना क्षेत्री १० रन बनौलैन । अन्य खेलाड़ी खासे रन नै बनाइब सकलैन ।

स्कटल्यान्डके लेल अब्ताहा मकसुद सर्वाधिक तीन विकेट लेलैन । तहिना, क्याथरिन फ्रेजर आ कप्तान क्याथरिन ब्राइस समान दू–दू विकेट लेलैन, तँ राहेल स्लेटर आ ओलिभिया बेल समान एक–एक विकेट लेलैन ।

टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने स्कटल्यान्ड निर्धारित २० ओभरमे सब विकेटके नोक्सानीमे १ सओ ४० रन बनौने छल । स्कटल्यान्डके लेल प्रियनाज चटर्जी सर्वाधिक ४५ रनक योगदान केलैन, तँ एल्सा लिस्टर २२, सारा ब्राइस १८, मेगन म्याककोल १७ तथा राहेल स्लेटर ११ रन बनौलैन ।

नेपालक लेल मनिषा उपध्याय सर्वाधिक चाइर विकेट लेलैन, तँ रुविना क्षेत्री तीन विकेट लेलैन । तहिना, रिया शर्मा, सीता रानामगर आ कविता जोशी समान एक–एक विकेट लेलैन । प्रतियोगितामे चाइर खेल खेलने नेपाल एकमे जीत तथा बाँकी खेलमे पराजीत भेल छल । दू अङ्क जोड़ने नेपाल समूह ‘बी’ के चारिम स्थानमे छल । जीत हासिल कएने स्कटल्यान्ड समान खेलसँ चाइर अङ्कसहित सुपर सिक्समे प्रवेश कएने अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय