राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, १४ माघः सर्वोच्च अदालत संसद् पुनःस्थापना माँग करैत दायर भेल रिट निवेदनमे २० गते पेसी निर्धारण कएल गेल हल्ला गलत भेल जनौलक अइछ ।
सर्वोच्च अदालतक प्रवक्ता अर्जुन कोइराला इएह माघ २० गते पेसी निर्धारण कएल गेल कहि गलत प्रचार भेल आ अखनधैर संसद विघटन विरुद्धके मुद्दामे पेसी निर्धारण नै कएल गेल स्पष्ट केलैन अइछ ।
“संसद् विघटन विरुद्ध समेतके रिट निवेदन माघ २० गते पेसी निर्धारण कएल गेल कहि किछ अनलाइनसभमे आएल समाचार सही नै भेल जानकारी कराबए चाहैत छी”, प्रवक्ता कोइराला कहलैन, “२० गते साधारण तारेख छै ।” अदालतमे संसद् पुनःस्थापना, सरकार गठन प्रक्रियालगायत विषयमे १७ टा रिट निवेदनमे आएल अइछ ।





