कोनो मायके कोख आब खाली नै होएः प्रधानमन्त्री कार्की


काठमाण्डू, १६ माघः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की सहिदसभक साहास, चेतना आ सङ्कल्पके कारण आइ देश परिवर्तनक ऐतिहासिक मोड़पर आएल बतौलैन अइछ ।

सहिद दिवसके अवसरमे आइ शुभकामना संदेश जारी करैत ओ नागरिक स्वतन्त्रता आ लोकतन्त्रक लेल अपन अमूल्य जीवन अर्पण केनिहार सब सहिदसभप्रति हार्दिक श्रद्धाञ्जली व्यक्त केलैन ।

प्रधानमन्त्रीके संदेशमे कहल गेल अइछ, “हुनकासभक साहास, चेतना आ सङ्कल्पके कारण आइ देश परिवर्तनक ऐतिहासिक मोड़पर छै । आब कोनो मायके कोख खाली नै होबाक चाही । न्याय, समानता, उत्तरदायी शासन आ नीक भविष्यके आशमे भेल जेनजी आन्दोलनमे सहादत प्राप्त केनिहार वीर योद्धासभकेँ सेहो नमन ।”

शासकीय मूल्य, नैतिकता आ नागरिकके सम्मानमे आधारित राज्य निर्माणक दायित्व प्रत्येक शासकके स्मरणमे सैदखन होबाक चाही तइपर प्रधानमन्त्री कार्की जोड़ देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय