चाइर करोड़ टका बराबरके धान खरिद


महेन्द्रनगर (धनुषा), १९ माघः खाद्य व्यवस्था तथा व्यापार कम्पनी लिमिटेड, मधेश प्रदेश कार्यालय जनकपुरधाम बितल दू महिनामे कृषकसँ चाइर करोड़ सात लाख ६४ हजार २ सओ ९० टका बराबरके धान खरिद कएल गेल जनौलक अइछ ।

कार्यालय अनुसार महोत्तरी आ धनुषा जिलाक २ सओ ४० कृषकसभसँ अखनधैर ११ हजार २ सओ ३५ क्विन्टल सोना मन्सुली धान खरिद कएल गेल अइछ । प्रतिक्विन्टल तीन हजार ६ सओ २८ टका ३३ पैसाके हिसाबसँ ११ हजार २ सओ ३५ क्विन्टल धान खरिद कएल गेल कार्यालयके प्रादेशिक प्रमुख निर्मल थापा बतौलैन । बितल अगहन २८ गतेसँ धान खरिद सुरु कएल गेल आ अखनधैर अइ परिमाणक धान खरिद भ गेल कार्यालयके प्रमुख थापा बतौलैन ।

हुनक कहब अनुसार अइ साल धान बिक्रीके लेल धनुषा आ महोत्तरीके पैघ संख्यामे कृषकसभ कार्यालयमे नाम दर्ता करौने अइछ । कार्यालयमे धान खरिदक दाम बजारक दामसँ बेसी भेलाक कारण धान बिक्री करैबला कृषकसभ एबाक क्रम बढ़ल हुनक कहब छैन ।

बजारमे ३ हजार प्रतिक्विन्टल धान खरिद बिक्री भ रहल अइछ । कम्पनी प्रतिकृषक अधिकतम ५० क्विन्टलधैर धान खरिद करैत एलाक बादो स्थानीय तहके सिफारिसक आधारमे किछ कृषकसँ करिब ५५ क्विन्टलधैर धान खरिद कएल गेल सहायक प्रबन्धक गङ्गा प्रसाद साह जानकारी देलैन ।

धानक भुक्तानी सरकारद्वारा कृषकके बैंक खातामे पठेबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । कार्यालयके अनुसार कम्पनीके गोदाम लग दूटा काँटा राइख भोर १० बजेसँ साँझ ५ बजेधैर कृषकद्वारा आनल गेल धान खरिद भ रहल अइछ । अखनधैर धनुषा आ महोत्तरी जिलाक २ सओ ४० गोटे कृषक स्थानीय तहके सिफारिसमे धान बिक्री क चुकल अइछ ।

धान बिक्री करैबल कृषकमध्ये धनुषाके लक्ष्मीनिया गाउँपालिका, नगराइन नगरपालिका, क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिका तथा महोत्तरीके बलवा नगरपालिकाके कृषकके संख्या बेसी रहल ओ बतौलैन । अइ साल कार्यालयके १३ हजार क्विन्टल धान खरिद करबाक लक्ष्य राखल गेल वरिष्ठ सहायक जय किशुन प्रसाद चौधरी जानकारी देलैन ।

सरकारद्वारा अइ साल सोना मन्सुली धानके समर्थन मूल्य प्रतिक्विन्टल तीन हजार ६ सओ २८ टका ३३ पैसा निर्धारण कएल गेल अइछ । धान खरिदसँ पहिने गुणस्तर परीक्षण कएल जाइत अइछ आ गुणस्तरीय धान मात्रे खरिद भ रहल कार्यालयके गुणस्तर शाखाके अधिकृत सरला प्रजापति जानकारी देलैन ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय