ब्राउन सुगरसहित एक गोटे गिरफ्तार


झापा, २० माघः भद्रपुरस्थित चन्द्रगढी विमानस्थलसँ लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित एक गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

यति एयरलायन्सके उड़ान नं. ९२६ सँ काठमाण्डू जाए लागल हुम्लाके खार्पुनाथ गाउँपालिका–२ के २६ वर्षक रोशनी बुढाके गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

भारतक कोलकातास्थित जापानिज रेस्टुरेन्टमे बितल दू सालसँ वेटरके रुपमे काज करैत आएल बुढाकेँ विमानस्थल सुरक्षा गार्डमे खटल प्रहरी टोली सोमदिन दुपहर ५ः३५ बजे चेक जाँच करैतकाल सलवारक पोकेटमे १ सओ ४४ ग्राम ४ सओ मिलिग्राम ब्राउन सुगर नुका क राखने अवस्थामे बरामद कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालयके सूचना अधिकारी खगेन्द्र बहादुर खड्का बतौलैन ।

अखन बुढाकेँ जिला प्रहरी कार्यालयके हिरासतमे राइख अनुसन्धान भ रहल आ हुनक बयानक आधारमे लागूऔषध कारोबारके गिरोहमे संलग्न आओर दू गोटेकेँ काठमाण्डूसँ गिरफ्तार कएल गेल ओ जानकारी देलैन ।

काठमाण्डूस्थित लागूऔषध नियन्त्रण ब्यूरोसँ खटल प्रहरी टोली सिन्धुपाल्चोक जिला पाँचपोखरी गाउँपालिका–६ के ३० वर्षक सन्तोष बञ्जारा आ रामेछाप जिला दोरम्बा गाउँपालिका–५ के २१ वर्षक थोर्मस तामाङकेँ ओएह कारोबारमे संलग्न रहल अभियोगमे गिरफ्तार कएल गेल अइछ । रासस
Imagesourse:nirvikkhabar.com

ताजा खबर
लोकप्रिय