सात बिगहा कुशियार खेतमे आइगजनी


जलेश्वर (महोत्तरी), २१ माघः महोत्तरी जिलाक औरही नगरपालिका–१ मे १० गोटे कृषकद्वारा लगाएल गेल करिब सात बिगहा कुशियारक खेतमे एक गोटे आइगजनी केलक अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक शैलेन्द्र कुमार भट्टके कहब अनुसार स्थानीय हरिनारायण यादव, रामवृक्ष राय, रासदेवी यादव, नगिनादेवी यादवलगायत १० गोटे कृषक छ बिघा सात कट्ठा क्षेत्रफलमे लगौने कुशियारमे मङ्गलदिन दुपहरमे एक गोटे अज्ञात व्यक्ति आइगजनी कएने अइछ ।

जिलाके गौशाला नगरपालिका–१ स्थित एभरेष्ट सुगर एण्ड केमिकल इण्डष्ट्रिजके जेटिए अमिरी महतोके कहब अनुसार छ बिघा सात कट्ठा क्षेत्रफलमे राेपनी कएल गेल कुशियार आइगजनीसँ नष्ट भेलाक बाद कृषकके करिब १४ लाख टका बराबरके क्षति भेल अइछ ।

हुनक कहब अनुसार आइगलगी भेल कुशियार २४ घण्टामे क्रसिङ कएल गेल तँ दू प्रतिशत मात्रे कट्ठा हएत । मुदा, देरी भेल तँ कुशियार ल्याबमे पठाबए पड़त आ ल्याबके रिपोर्ट अनुसार गणना हएत । काटबाक लेल तैयार भेल कुशियारमे आइगजनी भेलाक बाद कृषकसभ आर्थिक भारके चिन्तामे अइछ ।

कुशियार खेतमे कएल गेल आइगजनीकेँ जिलाक रामगोपालपुर नगरपालिका, जलेश्वर नगरपालिका, बर्दिबास नगरपालिका आ सम्सी गाउँपालिकासँ आएल बारुण यन्त्रके सहयोगसँ नियन्त्रणमे लेल गेल छल । रासस
Imagesourse:imagekhabar.com

ताजा खबर
लोकप्रिय