काठमाण्डू । प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की स्वास्थ्य बीमा समस्या समाधानक प्रयास सुरु केलैन अइछ ।
समस्या समाधानक क्रममे सरोकार भेल पक्षसँ परामर्श करबाक लेल ओ प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालयमे आइ बैसार आह्वान कएने प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय जनौलक अइछ ।
किछ समयसँ देशक विभिन्न भागमे रहल अस्पतालसभ स्वास्थ्य बीमा बापतके रकम स्वास्थ्य बीमा बोर्ड भुक्तानी नै देलाक कारण सेवा बन्द करबाक निर्णय कएने छल । स्वास्थ्य सेवा प्रदायक संस्थासभ लम्बा समयसँ बीमा बापतके रकम प्राप्त नै भेलासँ सेवा प्रवाह करबामे समस्या भेल जनौने अइछ ।
स्वास्थ्य बीमा बोर्ड अनुसार देशभैर सूचीबद्ध स्वास्थ्य संस्थाकेँ १० अरब टकासँ बेसी रकम भुक्तानी करबाक बाँकी अइछ । रासस
Imagesourse:safalkhabar.com





