म्याग्दी, २२ माघः अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल स्रोतक अभावक कारण निर्वाचनमे कोनो अवरोध उत्पन्न नै होबाक स्पष्ट केलैन अइछ । अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल सरकार आर्थिक स्रोतके व्यवस्था कएने कारण निश्चिन्त भ चुनावक तैयारीकेँ निरन्तरता देबाक लेल ओ निर्देशन देलैन ।
बुधदिन बेनी गेल अर्थमन्त्री खनाल सुरक्षा निकाय, मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन कार्यालयके अधिकारीसभसँ निर्वाचनक तैयारी आ जिलाक अवस्थाके विषयमे जानकारी लेलैन ।
“नयाँ पुरान सब राजनीतिक दलसभ सौहार्द आ शांतिपूर्ण तरिकासँ चुनावमे भाग लेबैजँका वातावरण बना सफल बनौनाइ सरकारक प्रमुख दायित्व छै”, अर्थमन्त्री खनाल कहलैन, “स्रोतक अभावसँ निर्वाचनमे कोनो अवरोध नै हएत से विश्वास दियाबैत छी ।”
मिथ्या आ भ्रामक सूचनाके प्रवाह रोकबाक लेल संवेदनशील बनए सेहो ओ आग्रह केलैन । भ्रामक, मिथ्या सूचना आ भादब २४ गते लुटल गेल हातहतियारकेँ सरकार चुनावक लेल चुनौतीके रूपमे लेने कारण ओकर सामना करबाक रणनीति बनाएल गेल मन्त्री खनाल बतौलैन ।
मौसमक कारण फागुन २१ गते कोनो स्थानमे मतदानमे समस्या भेलापर ओकर निर्णय निर्वाचन आयोग तत्काल करत कहैत मन्त्री खनाल चुनावक मितिमे सरकार सम्झौता नै करबाक स्पष्ट केलैन ।
मन्त्री खनाल मुख्य निर्वाचन अधिकृत सूर्य बहादुर थापा, प्रमुख जिला अधिकारी रविन्द्र आचार्यलगायत सुरक्षा अधिकारीसँ चुनावक तैयारीके विषयमे जानकारी लेलैन । अखनधैर शांति आ सौहार्दपूर्ण रूपमे चुनावक तैयारी भ रहल ओसभ जानकारी देलैन ।
जिला निर्वाचन अधिकारी विमल प्रसाद गौतम अस्थायी मतदाता आ चुनावमे खटैबला कर्मचारीके नामावली सङ्कलन भ गेल जानकारी देलैन । छटा स्थानीय तह आ ४५ वाड रहल म्याग्दीमे प्रतिनिधि सभामे एकटा निर्वाचन क्षेत्र अइछ ।
म्याग्दीमे ११ गोटे दल आ एक गोटे स्वतन्त्र उम्मेदवार चुनावी मैदानमे अइछ । ८६ हजार ३ सओ ९७ मतदाता रहल ओइ ठाम ८२ टा मतदानस्थल आ १ सओ २० मतदान केन्द्र कायम कएल गेल अइछ । रासस





