काठमाण्डू, २३ माघः निर्वाचन आयोग विभिन्न २५ जिलाके प्रत्यक्षदिसके मतपत्र छपाइ तथा प्याकिङ सम्पन्न भेल जनौलक अइछ ।
आयोग उपलब्ध करौने विवरणअनुसार डोल्पा, मुगु, जुम्ला, कालिकोट, हुम्ला, जाजरकोट, दैलेख, रुकुम (पश्चिम भाग), सल्यान, सुर्खेत, बाजुरा आ अछामक मतपत्र छपाइ आ प्याकिङके काज सम्पन्न भेल अइछ ।
तहिना, बझाङ, डोटी, डडेल्धुरा, दार्चुला, बैतडी, कैलाली, कञ्चनपुर, पाँचथर, इलाम, तेह्रथुम, भोजपुर, ओखलढुङ्गा, सुनसरीसहित जमा २५ जिलाके मतपत्र छपाइ आ प्याकिङ सम्पन्न भ चुकल अइछ । ६० जिलाके मतपत्र सेहो छपाइ सम्पन्न भ चुकल अइछ । मुदा, प्याकिङके काज बाँकी अइछ ।
आयोग अनुसार मतपत्र छपाइके काज अन्तिम चरणमे अइछ । प्याकिङके काज सेहो क्रमशः भ रहल अइछ । मतपत्र छपाइके काज जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेडमे भ रहल अइछ ।
समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसके मतपत्र छपाइ सम्पन्न भ चुकल अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस जमा दू करोड़ आठ लाख ३० हजार मतपत्र छपाइ क प्याकिङ एवं रुजु क ढुवानीके लेल तैयारी अवस्थामे राखल गेल अइछ ।
तहिना, प्रत्यक्षदिस दू करोड़ तीन लाख २३ हजार मतपत्र छपाइ करए पड़त । इएह माघ १६ गतेसँ प्रत्यक्षदिसके मतपत्र छपाइके काज सुरु भेल छल । तहिना, १० लाख ९८ हजार २ सओ बराबरके नमूना मतपत्र छपाइ क विभिन्न जिलामे पठाएल गेल आयोग जनौलक अइछ । रासस





