काठमाण्डू, २३ माघः अइ सालक राष्ट्रिय प्रजातन्त्र दिवस तीन दिनधैर भव्य रुपमे मनाएल जाएत । वि.सं. २००७ फागुन ७ गते नेपालमे राणाशासनके अन्त क पहिल बेर प्रजातन्त्र स्थापना भेल दिनके यादमे सरकार अगिला फागुन ६, ७ आ ८ गते प्रजातन्त्र दिवस मनेबाक निर्णय केलक अइछ ।
प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीके अध्यक्षतामे वृहस्पैतदिन सिंहदरबारमे भेल बैसारसँ तीन दिन प्रजातन्त्र दिवस मनेबाक निर्णय करैत मूल समारोह समिति गठन कएल गेल अइछ । प्रधानमन्त्री अध्यक्ष रहैबला समितिमे नेपाल सरकारक मन्त्रीसभ, काठमाण्डू उपत्यकाके सब नगरपालिकाके प्रमुखसभ, नेपाल सरकारक मुख्यसचिव, प्रधानसेनापति, नेपाल सरकारक सचिवसभ, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल आ राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक प्रमुखसभ सदस्य छैथ । गृह मन्त्रालयके सचिव मूल समारोह समितिक सदस्यसचिव छैथ ।
निर्णयअनुसार तीन दिनधैर नेपालभैर आ विदेशस्थित नेपाली दूतावास, कूटनीतिक नियोग तथा वाणिज्य दूतावाससभमे विभिन्न कार्यक्रम कएल जाएत । मूल समारोहके कार्यक्रम काठमाण्डूके सैनिक मञ्च, टुँडिखेलमे हएत ।
ओ कहलैन, “राष्ट्रिय प्रजातन्त्र दिवस फागुन ७ गते अपनासभक लेल महत्त्वपूर्ण छै । हमरासभ बेर–बेर प्रजातन्त्रके लेल सङ्घर्ष करैत आएल छी । सब आन्दोलन आ नेपाली जनता कएने बलिदानी आ ओइसँ प्राप्त भेल उपलब्धीके प्रतीकक रुपमे ई दिन विशेष छै ।” रासस





