काठमाण्डू, २३ माघः राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारक शून्य समयमे सांसदसभ स्वास्थ्य बीमा, विधायन प्रक्रिया, संसद् भवनके पुनर्निर्माण तथा निर्वाचनसम्बन्धी विषयमे सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन अइछ ।
शून्य समयमे राष्ट्रिय सभा सदस्य गङ्गा कुमारी बेल्बासे स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रमकेँ व्यवस्थित आ वैज्ञानिक ढङ्गसँ आगु बढ़ेबाक आवश्यक भेल बतौलैन । कार्यक्रम कार्यावंयनमे भेल कमजोरी सचियाबैत प्रभावकारी बनेबाक चाही से ओ धारणा व्यक्त केलैन ।
सांसद तुलसा कुमारी दाहाल स्वास्थ्य बीमाके रकम प्राप्त नै कएने समस्या बेसी भेल उल्लेख करैत बजेट अभावक कारण कार्यक्रम प्रभावित भेल विषयमे सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन ।
सांसद डा. बेदुराम भुषाल चालु वर्षमे सदनमे पेस करबाक विधेयकके मस्यौदा तैयार भेल अइछ की नै तइ विषयमे सरकारसँ जानकारी माँग केलैन । हुनक कहब अनुसार अइ साल पहिल प्राथमिकतामे ४२, दोसर प्राथमिकतामे ४१ आ तेसर प्राथमिकतामे ३८ सहित जमा १ सओ २१ टा विधेयक पेश करबाक कहल गेल छल । ओइमध्ये कतेक विधेयकके मस्यौदा तैयार भेल अइछ तइ विषयमे सदनकेँ जानकारी करबाक लेल ओ माँग केलैन ।
सांसद माया प्रसाद शर्मा बितल भादब २३ आ २४ गतेके प्रदर्शनक क्रममे जइर क क्षति भेल नयाँ बानेश्वरस्थित संसद भवनके पुनर्निर्माणक अवस्थाके बारेमे प्रश्न केलैन । आवश्यक सुरक्षा व्यवस्था अपना क पुनर्निर्माण करबाक कहलाक बादो अखनधैरके प्रगति की कतेक भेल अइछ तइके जानकारी माँग केलैन । तहिना, सिंहदरबारस्थित नयाँ संसद भवन निर्माणके काज कतेक भेल अइछ तइ विषयमे सेहो ओ सरकारसँ जवाफ माँग केलैन ।
सांसद सुमित्रा बिसी निर्धारित समयमे स्वच्छ, स्वतन्त्र आ भयरमुत्त वातावरणमे निर्वाचन एके चरणमे सम्पन्न करबाक आवश्यक भेल बतौलैन । निर्वाचन दू चरणमे करबाक आ निर्वाचन मिति आगु बढ़ेबाक अभ्यास लोकतान्त्रिक मूल्य–मान्यताविपरीत होबाक ओ धारणा व्यक्त केलैन ।रासस





