काठमाण्डू, २५ माघः आइसिसी पुरुष टी–२० विश्वकप क्रिकेट प्रतियोगितामे आइ नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टिम इङ्ल्यान्ड सङे प्रतिस्पर्धा करए लागल अइछ ।
भारतक मुम्बईस्थित वानखेडे रङ्गशालामे होएबला नेपाल आ इङ्ग्ल्यान्ड बीचक खेल दुपहर ३ः१५ बजेसँ सुरु हएत । विश्वकपमे नेपाल तेसर बेर सहभागी भेल अइछ । अइसँ पहिने दू विश्वकपमे नेपाल समूह चरणसँ बहराएल छल ।
नेपाल आ इङ्ल्यान्ड पहिल बेर प्रतिस्पर्धा करए लागल अइछ । टी–२० वरियतामे नेपाल १६म स्थानमे अइछ, तँ इङ्ग्ल्यान्ड तेसर स्थानमे अइछ । तहिना, इङ्ग्ल्यान्ड अइसँ पहिने अमेरिकामे भेल विश्वकपके सेमिफाइनलधैर पहुँचल छल, तँ नेपाल समूह चरणसँ बहाराएल छल । प्रतियोगितामे समूह ‘सी’मे रहल नेपालसङे इङ्ल्यान्ड, वेष्टइन्डिज, इटाली आ स्कटल्यान्ड सेहो अइछ ।रासस
Imagesourse:english.ratopati.com





