सर्लाहीमे लक्ष्यसँ बेसी बालबालिकाकेँ कोदवा दामस विरुद्धक खोप देल गेल


काठमाण्डू, २५ माघः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय सर्लाहीके मङ्गलवा नगरपालिकामे लक्ष्यसँ बेसी बालबालिकाकेँ कोदवा दामस विरुद्धक खोप लगाओल गेल जनौलक अइछ । स्वास्थ्य सेवा विभाग बालस्वास्थ्य तथा खोप शाखा प्रमुख डा. अभियान गौतम मङ्गलवा–२, ३, ४, ८, ९ आ १० मे लक्ष्यसँ बेसी बालबालिकाकेँ खोप लगाएल गेल बतौलैन ।

हुनक कहब अनुसार उक्त स्थानमे करिब १० हजार ३२ गोटेकेँ कोदवा दामस विरुद्धके खोप लगाएल गेल अइछ । कोदवा दामस फैलल स्थानमे सात हजार ५ सओ १९ बालबालिकाकेँ खोप लगेबाक लक्ष्य छल । “हमरासभक अनुमानसँ बेसी बालबालिका ओइ वाडमे छल”, ओ कहलैन, “तइ, हमरासभक लक्ष्यसँ दू हजार ४ सओ ५२ गोटे बेसी बालबालिकाकेँ खोप लगाएल गेल छै ।”

कोदवा दामस सङ्क्रमण फैलल ओइ वाडमे छ महिनासँ १५ वर्षसँ कम उमेरक सब बालबालिकाकेँ कोदवा दामस विरुद्धक खोप लगाएल गेल अइछ । अखनधैर उक्त ठाममे सात गोटेमे कोदवा दामसक सङ्क्रमण पुष्टि भेल अइछ । “सात गोटेमे मात्रे कोदवा दामस पुष्टि भेलाक बादो सङ्क्रमण अन्य वाडमे सेहो फैल सकबाक जोखिमके ध्यानमे राइख प्रभावित वाडसँ सटल वाडमे सेहो खोप लगाएल गेल छै”, ओ कहलैन । बितल पुस २५ गते मलङ्गवा नगरपालिक–३ आ ४ मे कोदवा दामसक महामारी फैलल छल ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय