नेपाल–कतार आर्थिक तथा पर्यटन सहकार्य सम्बन्धमे परामर्श


काठमाण्डू, २६ माघः नेपाल आ कतार बीच समग्र आर्थिक विकास, पर्यटन प्रवर्द्धन तथा सहयोग आदानप्रदानक विषयमे परामर्श भेल अइछ । संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री अनिल कुमार सिन्हा आ नेपालक लेल कतारक राजदूत महामहिम मिसाल बीन मोहम्मद अलि अल अन्सारी तथा नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघक अध्यक्ष चन्द्र प्रसाद ढकाल, कतार चेम्बर अफ कमर्श एन्ड इन्डस्ट्रिजके बोर्ड सदस्य मोहद अहमद एम. ए. अलोबैदली तथा कतार एयरवेजके प्रतिनिधि बीच आइ भेटवार्ता भेल अइछ ।

भेटघाटमे नेपाल–कतार आर्थिक विकास, पर्यटन प्रवर्द्धन, हवाई उड़ान विस्तार तथा नागरिक उड्डयन क्षेत्रमे सहकार्यके आओर सुदृढ़ बनेबाक विषयमे विस्तृत परामर्श भेल अइछ ।

विशेष क नेपाल आ कतार बीच सिधा हवाई उड़ानक सङ्ख्या बढ़ेबाक, नयाँ गन्तव्य बढ़ेबाक तथा नेपाल वायुसेवा निगम आ कतार एयरवेज बीच सहकार्यके सम्भावनाके बारेमे परामर्श केन्द्रित छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय