भ्रष्टाचार नियन्त्रण करबाक जिमेवारी सरकारके छैः प्रधानमन्त्री कार्की


काठमाण्डू, २८ माघः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की भ्रष्टाचार नियन्त्रण करबाक जिमेवारी सरकारके भेलासँ ओएह अनुसार कामकाज भ रहल बतौलैन अइछ । अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक ३५म स्थापना दिवसके अवसरमे आइ आयोजित विशेष समारोहकेँ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री कार्की भ्रष्टाचार न्यूनीकरण तथा नियन्त्रण क सुशासन कायम करबाक सन्दर्भमे सरकार दिन राति खइट रहल बतौलैन ।

देशमे सुशासन प्रवर्द्धन आ भ्रष्टाचार नियन्त्रणक मूलभूत माँग राइख जेनजी युवाके अगुवाइमे बितल भादबमे भेल आन्दोलनकेँ गम्भीर सन्देशक रूपमे लेबाक लेल ओ सबसँ अनुरोध केलैन । जेनजी आन्दोलनके जगमे गठित वर्तमान सरकार नागरिकमैत्री प्रशासनके अनुभूति करबाक, भ्रष्टाचार नियन्त्रणलगायत समग्र शासकीय सुधारक काजकेँ प्राथमिकतासँ आगु बढ़ाइब रहल ओ स्पष्ट केलैन ।

नागरिकसँ प्रत्यक्ष सरोकार राखैबला अत्यावश्यक सेवासभकेँ सहज, जल्दी आ सुलभ बनेबाक लेल सरकार संवेदनशील रहल प्रधानमन्त्री कार्की बतौलैन । “नागरिकता, राहदानी, सवारीचालक अनुमतिपत्रलगायतक सार्वजनिक सेवा सहल, जल्दी आ सुलभ ढङ्गसँ प्रदान करबाक लेल सरकार संवेदनशील भ काज क रहल छै”, ओ कहलैन ।

अगिला निर्वाचनक बाद आबैबला सरकारकेँ मार्गदर्शन होएजका ‘सुशासनक मार्गचित्र’ तैयार करबाक काज अन्तिम चरणमे पहुँचल जानकारी दैत ओ कहलैन, “सुशासनक दीर्घकालीन आधार निर्माण करबाक लेल हमरासभ मार्गचित्र तैयार कएल गेल छै । जेकरा आगामी सरकार आगु बढ़ाओत से विश्वास लेने छै ।”

सुशासन प्रवर्द्धन आ भ्रष्टाचार निवारणक लेल अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक भूमिका महत्वपूर्ण रहल प्रधानमन्त्री कार्की बतौलैन । बितल समय आयोग आओर सक्रिय भेल उल्लेख करैत ओ भ्रष्टाचार विरुद्धक काज, कारबाहीकेँ आओर सशक्त आ प्रभावकारी बनेबाक लेल अख्तियार प्राप्त राज्यके संरचनासभकेँ व्यावसायिक एवं स्वतन्त्र बनेबाक पक्षमे सरकार रहल स्पष्ट केलैन । भ्रष्टाचारमे शून्य सहनशीलताके नीति अवलम्बन करबापर जोड़ दैत संयुक्त राष्ट्रसङ्घके भ्रष्टाचार विरुद्धक महासन्धिअनुरूप दोसर राष्ट्रिय नीति निर्माणक काज अन्तिम चरणमे भेल प्रधानमन्त्री कार्की जानकारी देलैन ।

‘जेनजी’ आन्दोलनक बाद देशमे आओर द्वन्द्व नै होए आ शांति सुव्यवस्था कायम करैत निर्वाचनक वातावरण बनेबाक लेल सरकार केन्द्रित रहल प्रधानमन्त्री कार्की स्पष्ट केलैन । निर्वाचनक बाद नयाँ जनादेशसहित आबैबला सरकार ‘जेनजी पुस्ता’के भावनाअनुसार सुशासन कायम करबाक लेल आओर निर्णय करत से ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।

जिमेवारीबोध आ नैतिक चेतनाके अभावसँ सुशासन कमजोर बनल प्रधानमन्त्री कार्की धारणा व्यक्त केलैन । अपन जिमेवारीके बोध प्रत्येक राष्ट्रसेवक कर्मचारी, राजनीतिक नेतृत्व आ अन्य सरोकारवालामे होबाक जरुरी रहल ओ स्पष्ट केलैन ।

अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनकेँ सदाचार स्थापनाके महाअभियानक रूपमे लेबाक लेल सेहो प्रधानमन्त्री कार्की आग्रह केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय