बरहथवा (सर्लाही), २९ माघः नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा देश बनेबाक काज एक गोटेसँ मात्रे सम्भव नै भेलाक कारण सबकेँ एकसाथ ल जेबाक बतौलैन अइछ ।
सर्लाही निर्वाचन क्षेत्र नं.४ अन्तर्गत बुधदिन साँझ जिलाके धनकौलमे आयोजित मतदाता सङे भेटघाट कार्यक्रममे ओ हम मधेशसँ देश जोड़बाक सन्देश देबाक उद्देश्यसहित अइ ठाम आएल कहैत मतदाताके विश्वास जीत क काज करबाक बतौलैन ।
“हमरा आओर बेसी मधेश बुझबाक अइछ । अइ ठामक दुःख बुझबाक अइछ । अइ ठामक समस्याके बारेमे बेसी बात भेल छै । हम समाधान करबाक लेल आएल छी”, सभापति थापा कहलैन ।
कांग्रेस पार्टी विश्वास क प्रधानमन्त्रीमे आगु कएने उल्लेख करैत ओ आब देशभैरसँ पार्टीकेँ सहयोग क ओइमे समर्थन प्राप्त हएत तइमे हम विश्वस्त रहल बतौलैन । प्रधानमन्त्रीके जिमेवारी नै भेटलाक बादो हम सर्लाही क्षेत्र नं. ४ के विकासमे प्रतिबद्ध भ क काज करब से हुनक कहब छलैन । (रासस)





