काठमाण्डू, २९ माघः नेपाल बदलैत विश्व परिवेशमे क्षेत्रीय सहयोग आवश्यक मात्रे नै भ अनिवार्य भेल बतौलक अइछ ।
दक्षिण एसियाली क्षेत्रीय सहयोग सङ्गठन (सार्क) कार्यक्रम समितिक ६२म बैसारमे परराष्ट्र सचिव तथा सार्क स्थायी समितिक अध्यक्ष अमृत बहादुर राई आजुक विश्वव्यापी चुनौती आ अनिश्चितताके बीचमे क्षेत्रीय सहयोग आवश्यक मात्रे नै भ अनिवार्य भेल कहैत राष्ट्रिय प्रयास आ विश्वव्यापी प्रक्रिया बीच सेतुके रूपमे क्षेत्रीय सहकार्य अत्यावश्यक भेल बतौलैन ।
सार्कके महासचिव गोलाम सरवार सार्क चाइर दशकमे हासिल कएने उपलब्धीके स्मरण करैत क्षेत्रीय सहकार्यक आकाङ्क्षाकेँ व्यवहारमे रूपान्तरण करबाक चाही तइपर जोड़ देलैन ।
आइ सम्पन्न होएबला बैसारसँ सार्क सचिवालयके बजेट आ कार्यक्रमसभ अनुमोदन कएल जाएत । बैसारमे बङ्गलादेश, भूटान, भारत, माल्दिभ्स, पाकिस्तान आ श्रीलङ्काके वरिष्ठ अधिकारीसभक सहभागीता छैन । (रासस)





