मस्को/किएभ,२ फागुन (रासस/सिन्ह्वा) :
युक्रेन, अमेरिका आ रुसबीचके दोसर त्रिपक्षीय वार्ता फेब्रुअरी १७–१८ मे जेनेभामे आयोजना होबाक भेल अइछ। राष्ट्रपतिक सल्लाहकार भ्लादिमिर मेदिन्स्कीद्वारा रुसके प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व कएल जेबाक जानकारी क्रेमलिनके प्रवक्ता दिमित्रि पेस्कभ देने अइछ।
युक्रेनके मुख्य वार्ताकार रुस्तेम उहमरभ सामाजिक सञ्जालमे जानकारी दैत उल्लेख केलैन,” युक्रेनी समूह पूर्ण रूपमे गठन भ चुकल छै आ अइमे सैन्य, राजनीतिक आ सुरक्षा पक्षसभ समावेश छै।” ओ वार्ताके मुख्य उद्देश्य स्थायी आ दिर्घकालीन शान्ति सुनिश्चित करबाक भेल स्पष्ट केलैन ।
तीन देश बीचके सुरक्षा सम्बन्धी पहिल त्रिपक्षीय परामर्श जनवरी २३–२४ मे अबू धाबीमे सम्पन्न भेल छल, जत रुसके प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व सैन्य खुफिया प्रमुख इगोर कोस्ट्युकोभ कएने छल। दोसर चरणके वार्ता फेब्रुअरी ४–५ मे अबू धाबीमे सम्पन्न भेल छल। तकरा बाद अमेरिकी विशेष दूत रुस आ युक्रेनबीच ३१४ युद्धबन्दीके आदान–प्रदानमे सहमति भेल जानकारी देने छल।
अइ नयाँ चरणके वार्ता द्वन्द्व अन्त आ शान्तिपूर्ण समाधानदिसके सकारात्मक आ महत्त्वपूर्ण पहलके रूपमे विश्लेषण कएल जा रहल अइछ।





