संविधान संशोधन आवश्यक छैः अध्यक्ष यादव


भैरहवा (रूपन्देही), ११ फागुनः जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव देशक वर्तमान राजनीतिक गतिरोध अन्त करबाक लेल संविधान संशोधन आवश्यक भेल बतौलैन अइछ ।

रूपन्देहीके भैरहवामे आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष यादव वर्तमान संविधान मधेशी, जनजाति, दलित तथा उत्पीडित समुदायक मुद्दाकेँ पूर्ण रूपमे सम्बोधन नै क सकल धारणा व्यक्त केलैन । सङ्घीयताके प्रभावकारी कार्यावंयनक लेल पहिचानक आधारमे प्रदेशक सीमाङ्कन करबाक चाही से हुनक कहब छलैन ।

प्रत्यक्ष निर्वाचित कार्यकारी राष्ट्रपतिके व्यवस्था आ पूर्ण समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली आवश्यक भेल ओ बतौलैन । वर्तमान प्रणालीके कारण राजनीतिक अस्थिरता उत्पन्न भेल हुनक आरोप छलैन ।

ओइ अवसरमे अध्यक्ष यादव गौतम बुद्ध अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलकेँ पूर्ण क्षमतामे संचालन करबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण कराबैत कूटनीतिक तथा प्राविधिक पहल तीव्र बनेबाक लेल आग्रह केलैन । जनता समाजवादी पार्टी सुरुसँ मधेशक समस्याके बारेमे आवाज उठाबैत आएल आ सब समस्याके बारेमे पार्टी जानकार भेल हुनक कहब छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय