निर्वाचनक लेल चीन चालिस लाख डलर बराबर सहयोग करत


काठमाण्डू, १२ फागुन: चीन सरकारद्वारा आसन्न निर्वाचनक लेल ४० लाख अमेरिकी डलर सहयोग स्वरुप प्रदान करबाक भेल अइछ ।

अनुदानस्वरुप प्राप्त होएबला उक्त नगद स्वीकार करबाक निर्णय मन्त्रिपरिषदके बैसारद्वारा कएल गेल अइछ ।

सरकारक प्रवक्ता एवम् गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्यालक अनुसार बैसार चालु आर्थिक वर्षके बजेट तथा कार्यक्रममे उल्लेख अनुसार बूढीगण्डकी जलाशययुक्त आयोजनाक वित्तीय लगानी ढाँचा स्वीकृत केलक अइछ ।

सङे बैसारमे काठमाण्डू जिला अदालतक मुख्य न्यायाधीश दीवाकर भट्टकेँ काठमाण्डू जिला अदालतके कामसेहो देखबाक हिसाबेँ उपभोक्ता अदालत काठमाण्डूके अध्यक्ष बनेबाक निर्णय केलक अइछ ।

मन्त्रिपरिषद् बिमा ऐन, २०७९ के दफा १४० बमोजिमके कसुरसम्बन्धी मुद्दाके कारबाही आ किनार करबाक लेल जिला अदालतकेँ तोकबाक आ विक्रम संवत् २०८३ साल वैशाख १ गतेसँ चैत महिनाधैरके सार्वजनिक बिदा निर्धारण केलक अइछ ।

बैसारसँ जेनजी परिषद् गठन करबाक सेहो निर्णय कएल गेल प्रवक्ता अर्याल जानकारी देलैन। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय