लन्डन, १३ फागुनः बेलायत सरकार मस्कोके महत्त्वपूर्ण तेल राजस्व कटौती करबाक उद्देश्यसँ नयाँ प्रतिबन्ध घोषणा केलक अइछ ।
नयाँ प्रतिबन्धमे रूसी ऊर्जा राजस्व, तेल निर्यात, युद्ध प्रयासकेँ बढ़ावा देबएबला सैन्य उपकरणके प्रमुख आपूर्तिकर्तासभकेँ लक्षित करैत लगभग ३ सओ नयाँ प्रतिबन्ध रहल अइछ ।
रूसके प्रतिबन्ध व्यवस्था अन्तर्गत अखनधैर सम्म तीन हजारसँ बेसी व्यक्ति, संस्था आ जहाजपर प्रतिबन्ध लगाएल गेल बेलायत पुष्टि केलक अइछ । रासस/क्यूएनए
Imagesourse:aarthiknews.com





