एहन छै मन्त्रिपरिषद्के निर्णय


काठमाण्डू, १३ फागुनः मन्त्रिपरिषद्के इएह फागुन १२ गतेक बैसार १६म योजना कार्यान्वयन कार्ययोजना (२०८१–२०८६)स्वीकृत केलक अइछ ।

सरकारक प्रवक्ता तथा गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल बैसारके निर्णयसभ आइ सार्वजनिक करैत
न्याय सेवा परिषद्के सिफारिसबमोजिम दुगोटे उपसचिवकेँ नेपाल न्याय सेवाके राजपत्राङ्कित प्रथम श्रेणीके पदमे पदोन्नतिसहित पदस्थापन करबाक निर्णय भेल बतौलैन ।

बैसार नेपाली सेनाक दू गोटे प्रमुख सेनानीकेँ महासेनानी आ दू गोटे महासेनानीकेँ सरुवा करबाक निर्णय केलक अइछ । यातायात क्षेत्रसमबन्धी सर्वोच्च अदालतके आदेश जाँचबुझ लेल गठित आयोगके कार्यावधि एक महिना बढेबाक निर्णय भेल अइछ ।

निर्वाचनमे सुरक्षाकर्मी तथा निर्वाचन प्रहरी घायल भेलापर इलाज खर्च सरकारद्वारा देल जेबाक तथा मृत्यु भेलापर आश्रित परिवारकेँ आर्थिक सहायता उपलब्ध कएल जाएत ।

प्रवक्ता अर्यालके कहब अनुसार बिमा ऐन, २०७९के दफा १४० बमोजिमके कसुरसम्बन्धी मुद्दा निरुपण करए लेल देशक ७७ टा जिला अदालतकेँ निर्धारण करबाक निर्णय भेल अइछ ।

चीन सरकारक अनुदानमे निर्माण तथा स्तरोन्नति होएबला कलङ्कीसँ बसुन्धराधैरके काठमाण्डू चक्रपथ सुधार आयोजनाकेँ कर छुट करबाक निर्णय भेल अइछ ।

दशम राष्ट्रिय खेलकुद प्रतियोगिता प्रतिनिधिसभाकेँ निर्वाचनके बाद आयोजन करबाक निर्णय भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय