काठमाण्डू, १४ फागुनः केन्द्रीय आचारसंहिता अनुगमन समितिमे अखनधैर प्राप्त ८७ उजुरीके सम्बन्धमे राजनीतिक दल तथा उम्मेदवारसभकेँ स्पष्टीकरण पुछल गेलमे ५७ टाके जवाफ प्राप्त भेल निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ ।
अखनधैर ८१ गोटेकेँ लिखित स्पष्टीकरण आ छ गोटेकेँ पुनः स्पष्टीकरण पुछल गेल आयोगक कानुन अधिकृत मोहनराज जोशी राससकेँ जानकारी देलैन । आयोगद्वारा निर्वाचन आचारसंहिता उल्लङ्घन कएने कहि उजुरी पड़ल राजनीतिक दल, उम्मेदवार, सरकारी एवं गैरसरकारी संस्था, सञ्चारमाध्यम आ पत्रकारकेँ सेहो स्पष्टीकरण पुछल गेल अइछ । दर्ता भेल सञ्चारमाध्यम आ ओइमे आवद्ध पत्रकारकेँ प्रेस काउन्सिल नेपालमार्फत् स्पष्टीकरणलगायत कारबाहीके लेल पत्र पठाएल गेल अइछ । निर्वाचन विश्लेषणक नाममे मत सर्वेक्षण क दल आ उम्मेदवार विशेष निर्वाचित भ रहल कहि समाचार सामग्री प्रकाशन करएबला सेतोपाटी अनलाइनकेँ सेहो प्रेस काउन्सिलमार्फत् स्पष्टीकरण पुछल गेल अइछ ।
जिलास्तरमे सेहो निर्वाचन आचारसंहिना उल्लङ्घन विरुद्धक उजुरी प्राप्त भेल आ आवश्यक कारबाही भ रहल आयोग जनौलक अइछ । निर्वाचन आचारसंहिताके प्रभावकारी परिपालन कराबैत उल्लङ्घनक घटनाकेँ न्यूनीकरण करबाक लेल आयोग प्राप्त उजुरीमे आवश्यक जाँचबुझ आ कारबाही प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल अइछ । प्राप्त भेल ५४ टा जवाफके अध्ययन भ रहल सेहो आयोग जनौलक अइछ । आचारसंहिताके प्रभावकारी कार्यावंयनक लेल केन्द्रीय आचारसंहिता अनुगमन समिति, जिला आचारसंहिता अनुगमन समिति, जिला आचारसंहिता अनुमगन अधिकृत तथा सम्बन्धित निर्वाचन कार्यालय क्रियाशील रहल कानुन अधिकृत जोशी बतौलैन ।
जिलास्तरमे आचारसंहिता अनुमगनकेँ प्रभावकारी बनाबैत कार्यावंयन सुनिश्चितताके लेल निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा ३२ बमोजिम ७७ ओ जिलाक सहायक प्रमुख जिला अधिकारीकेँ आर्थिक बाहेकके अन्य विषयमे आ प्रमुख कोष नियन्त्रककेँ आर्थिक विषयमे अनुगमन करबाक लेल आचारसंहितासँ अनुगमन अधिकृत निर्धारण कएल गेल अइछ । कम समयमे सब जिलामे सरोकारवालाकेँ आचारसंहिताके बारेमे जानकारी करेबाक आ आचारसंहिता पालन करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करेबाक काज प्रभावकारी रुपमे भ रहल आयोग जनौलक अइछ । जिलास्तरमे आएल उजुरीके सम्बन्धमे जिलासँ स्पष्टीकरण पुइछ जवाफ माँग करैत दोषी प्रमाणित भेल व्यक्ति या दलकेँ कानुनी कारबाहीके प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल अइछ । रासस





