सब मतदाताकेँ प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे सरिक होबाक लेल प्रधानमन्त्रीद्वारा आह्वान


काठमाण्डू, १८ फागुनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की देशकेँ राजनीतिक स्थायित्व आ समृद्धिके मार्गमे आगु बढ़ेबाक लेल सब मतदाताकेँ प्रतिनिधि सभा निर्वाचनमे सरिक होबाक लेल आह्वान केलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री कार्की आइ राष्ट्रके नाममे सम्बोधन करैत अपन आ अपन सन्तानक भविष्य केहन बनाएब से निर्णय लेबाक लेल आह्वान केलैन । प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “भोट देनाइके अर्थ केवल चुनाव चिह्नमे छाप लगा क केकरो जीता क पठौनाइ मात्रे नै होइत छै । ई अहाँ अपन आ अपन सन्तानक भविष्य केहन बनाएब से निर्णय लेबाक काज छै ।”

इएह फागुन २१ गते वृहस्पैतदिन दोसर काज छोइड़ क अपन मतदान केन्द्रमे जा क मतदान करबाक लेल हार्दिक अपिल करैत ओ कहलैन, “निर्वाचनक समयमे हम सबकेँ शान्ति आ अमनचयन कायम राखबाक लेल अनुरोध करैत छी । शान्ति नेपालक असली पहिचान छै ।”

प्रधानमन्त्री कार्की देश फेरसँ इतिहासक महत्त्वपूर्ण मोड़मे पहुँचल आ इएह फागुन २१ गतेके दिन अपन आ अपन देशक भविष्यके फैसला करबाक समय आएल बतौलैन ।

“इतिहासक अइ कठिन मोड़मे प्रधानमन्त्रीके जिमेवारी सम्हाइर क देशकेँ नेतृत्व देबाक काजकेँ हम अपन मातृभूमिप्रतिके जिमेवारीके रूपमे लेने छी,” प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “हम सैदखन न्याय आ निष्ठाके पक्षमे काज करबाक प्रयास कैलौँ । आब किछ दिनमे अइ देशक भविष्य अहाँसभ चुनएबला प्रतिनिधिसभक हातमे जाएत । होरीके खुसी बाँटैत फागुन २१ गतेके निर्वाचनकेँ शान्तिपूर्ण, स्वच्छ आ ऐतिहासिक बनाउ ।”

जेनजी आन्दोलनक बादके परिस्थिति जटिल, संवेदनशील आ चुनौतीपूर्ण रहल प्रधानमन्त्री कार्की उल्लेख केलैन ।

प्रधानमन्त्री कार्की चुनावी मैदानमे रहल सब राजनीतिक दल तथा स्वतन्त्र उम्मेदवारसभकेँ उम्मेदवारीके लेल धन्यवाद दैत कहलैन, “अहाँसभक सक्रियतासँ हमरासभक लोकतन्त्र जीवित रहत । चुनावमे स्वस्थ प्रतिस्पर्धा हएत । अलग विचार होइत छै । मुदा, हमरासभ बीच मनमुटाव आ वैमनस्य नै होबाक चाही ।”

मौन अवधिमे पूर्ण अनुशासन पालन करए आ ओइसँ पहिनेके बाँकी समयमे संयमित ढङ्ग, एक–दोसरके सम्मान करैत निर्वाचन प्रचार–प्रसार करबाक लेल सब राजनीतिक दल, उम्मेदवार तथा समर्थकसभकेँ ओ आग्रह केलैन ।

“अइ महान काजमे खटल निर्वाचन आयोग, सुरक्षा निकायक साथीसभ आ सम्पूर्ण राष्ट्रसेवक कर्मचारीकेँ हम विशेष धन्यवाद दैत छी,” प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “अहाँसभक निष्पक्षता आ मेहनतसँ अइ निर्वाचनकेँ स्वच्छ, स्वतन्त्र आ भयमुक्त बनाओत ।”

प्रधानमन्त्री कार्की निर्वाचन आयोग कम आ कठिन समयमे कार्यतालिकाबमोजिम सब तैयारी पूरा कएने उल्लेख करैत निर्वाचन निष्पक्ष, स्वच्छ आ भयमुक्त रूपमे सम्पन्न करबाक लेल नेपाल सरकार आ आयोग पूर्ण प्रतिबद्ध रहल बतौलैन ।

देशमे कोनो प्रकारक दण्डहीनताकेँ प्रश्रय देबाक काज सरकारसँ नै होबाक उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की कानुनबमोजिम कएल जाएबला कोनो तहके कारबाहीमे सरकार पाछु नै हटबाक बतौलैन ।

मध्यपूर्वी क्षेत्रमे युद्धक सङ्कट बइढ़ रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की ईरान आ लगपासके तनावसँ चिन्तित बनौने उल्लेख केलैन । विकसित घटनाक्रमकेँ नेपाल सरकार सूक्ष्म रूपमे देख रहल आ ओइ क्षेत्रमे भेल नेपालीसभक सुरक्षा हमरासभक पैघ जिज्ञासाके विषय भेल ओ बतौलैन । ओ कहलैन, “ओइ क्षेत्रमे भेल सब नेपाली नियोगकेँ सुरक्षासहजीकरणमे कोनो कमी नै होए ओइ लेल सक्रिय बनाएल गेल छै । परराष्ट्र मन्त्रालय अनुगमन क रहल छै । हमरासभ हरदम अहाँसभक सङे छी । नेपाली कोनो ठाम रहलाक बादो प्रत्येक नागरिकके व्यक्तिगत सुरक्षा आ हितके रक्षामे ई सरकार कटिबद्ध छै ।” रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय