प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनः समानुपातिकके मतगणना सम्पन्न


काठमाण्डू, २७ फागुनः इएह फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनअन्तर्गत समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीके मतगणना सम्पन्न भेल अइछ ।

बितल समय गोरखा १ आ इलाम १ के मतगणना सम्पन्न भेलाक लगले समानुपातिकदिसके सब मतगणना सम्पन्न भेल निर्वाचन आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी जानकारी देलैन । मतगणना सम्पन्न भेलाक बाद सम्बन्धित निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयसँ आयोगमे विवरण प्राप्त होबाक क्रम जारी रहल ओ बतौलैन ।

समानुपातिकदिसके मतगणना सम्पन्न भेलाक बाद समानुपातिकदिस राजनीतिक दल हासिल करएबला सिट सङ्ख्या निर्धारणके गृहकार्य सेहो सुरु भेल आयोग जनौलक अइछ । किछ दिनमे ई प्रक्रिया पूर्ण होबाक जनाओल गेल अइछ ।

तहिना, आइ भोर ११ बजेधैर समानुपातिक प्रणाली निर्वाचनदिस एक करोड़ सात लाख ३९ हजार एक सओ १५ मत गणना भेल निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ । गणना भेलमध्ये राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) ५१ लाख ३९ हजार दू सओ ३५ मतसहित अग्र स्थानमे अइछ ।

नेपाली काँग्रेस १७ लाख ४९ हजार पाँच सओ ८३, नेकपा (एमाले) १४ लाख ४८ हजार आठ सओ ५४, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी आठ लाख पाँच हजार सात सओ ७३, श्रम संस्कृति पार्टी तीन लाख ७८ हजार छ सओ ४९ आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी तीन लाख २९ हजार चार सओ ७२ मत हासिल कएने अइछ । अन्य दल थ्रेसहाल्ड कटेबाक स्थितिमे नै अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय