प्रति सिलिण्डर ग्यास आधा भैर क ९ सओ ५५ टकामे बिक्री कएल जाएत


काठमाण्डू, २९ फागुनः नेपाल आयल निगम ग्यास सिलिण्डरमे ७.१ किलो एलपी ग्यास भैर क प्रति सिलिण्डर आधा ९ सओ ५५ टकामे बिक्री वितरण करबाक निर्णय केलक अइछ ।

निगम वृहस्पैतदिन विज्ञप्ति जारी करैत अखनके परिस्थितिकेँ दृष्टिगत क एलपी ग्यासके आपूर्ति तथा वितरण प्रणालीकेँ व्यवस्थित बनाबैत आम उपभोक्ताके माँग बमोजिम ग्यास उपलब्ध होबाक अवस्थाके सहजीकरणक लेल आइसँ लागू होएजका दोसर निर्णय नै भेलाधैर ग्यास सिलिण्डरमे ७.१ किलो एलपी ग्यास भैर क प्रति सिलिण्डर आधा दाम ९ सओ ५५ टकामे बिक्री वितरण करबाक निर्णय कएल गेल जनौलक अइछ । आम उपभोक्ता वर्गकेँ ओएहअनुसार एलपी ग्यास खरिद करबाक लेल निगम अनुरोध केलक अइछ ।

नियमित रुपमे माँग अनुरूप एलपी ग्यासके आयात तथा वितरण कएलाक बादो बितल दू/तीन महिनासँ काठमाण्डू उपत्यकामे ग्यासके माँग उच्च भेल आ अइ बीच मध्यपूर्व क्षेत्रमे भ रहल युद्धक कारण पेट्रोलियम पदार्थ तथा एलपी ग्यासके आपूर्तिमे विश्वव्यापी रूपसँ असर भ रहल निगम प्रष्ट केलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय