भक्तपुर, २९ फागुनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के अध्यक्ष केपी शर्मा ओली पिता मोहन प्रसाद ओलीकेँ श्रद्धाञ्जली अर्पण केलैन अइछ ।
मध्यपुरथिमिस्थित नेपाल कोरिया मैत्री नगर अस्पतालमे आइ भोर पूर्वप्रधानमन्त्री ओलीके पिता मोहन प्रसादके ९७ वर्षक उमेरमे निधन भेल छैन । पिताकेँ श्रद्धाञ्जली अर्पण करबाक लेल अध्यक्ष ओली पत्नी राधिका शाक्यसहित अस्पताल पहुँचल छलैन ।
अस्पताल प्राङ्गणमे नेकपा (एमाले) के सचिव महेश बस्नेत, भानुभक्त ढकाललगायत केन्द्रीय नेता तथा स्थानीय नेता कार्यकर्ता मोहन प्रसादकेँ श्रद्धाञ्जली देलैन । अस्पतालक कार्यकारी निर्देशक डा. डि के रौशनके कहब अनुसार मोहन प्रसादकेँ आइ भोर करिब ४ः०० बजे इलाजक लेल अस्पताल आनल गेल छलैन । वितल छ महिनासँ हुनक इएह अस्पतालमे स्वास्थ्य परीक्षण तथा इलाज होइत आएल छलैन ।रासस





