वर्षाक समयमे पुनर्निर्मित बिपी राजमार्गसँ यातायात सञ्चालन करबाक तैयारी


काभ्रेपलाञ्चोक, २ चैतः बेर–बेरके बाइढ़ आ भूस्खलनसँ क्षतिग्रस्त बिपी राजमार्गके अखन स्थायी रूपमे पुनर्निर्माण करबाक काज भ रहल अइछ ।

नेपालक पूर्वी तथा मध्यपहाड़ी क्षेत्रकेँ सङ्घीय राजधानी काठमाण्डूसँ जोड़एबला कम दूरीके रूपमे रहल उक्त राजमार्गके क्षतिग्रस्त सड़कखण्डके तीन स्थानसँ सुरु कएल गेल स्थायी पुनर्निर्माण काजकेँ तीव्रता देल गेल डिभिजन सड़क कार्यालय भक्तपुर जनौलक अइछ ।

राजमार्गके जोखिमयुक्त स्थानमे आबएबला वर्षासँ पहिने पूर्वाधार निर्माण सम्पन्न करबाक आ राजमार्गसँ यातायातके साधन सञ्चालन करएजका निर्माण काजकेँ तीव्रता देल गेल कार्यालय प्रमुख सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर सुमन योगेश बतौलैन ।

हुनक कहब अनुसार राजमार्गमे भ रहल काज दू वर्षमे सड़क पुनर्निर्माणक काज सम्पन्न हएत । अखनधैर काभ्रेपलाञ्चोकदिस ठेक्का लागल तीनटा सड़कखण्डमे जमा २५ प्रतिशत काज भेल ओ बतौलैन ।

विशेष क २०८१ आसिनमे आएल बाइढ़ तथा अइ सालके वर्षामे थप क्षति भेलाक बाद बितल अगहनसँ प्रक्रिया पूरा क स्थायी पुनर्निर्माण सुरु कएल गेल अइछ । क्षतिग्रस्त चाइर खण्डमध्ये बाँकी एक खण्ड जापान अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग नियोग (जाइका) पुनर्निर्माण करएबला बर्खेखोलासँ पिप्लेधैर तीन दशमलव दू किलोमिटर सड़क निर्माणक काज इएह महिनामे ठेक्का सम्झौता होबाक ओ जानकारी देलैन ।

डालाबेँसीसँ चारसयबेँसीधैर आठ दशमलव पाँच किलोमीटर सड़क पुनर्निर्माणक लेल खानी–एवन–कमलजीत जेभी एक अरब ४२ करोड़ ३७ लाख टका (भ्याटसहित)मे निर्माण करबाक ठेक्का प्राप्त कएने कार्यालय जनौलक अइछ ।

तहिना, चारसयबेँसीसँ भकुन्डेबेँसीधैर ११ दशमलव ०८ किलोमीटर सड़क पुनर्निर्माणक लेल लामा–नवकान्तिपुर जेभीकेँ एक अरब ३३ करोड़ ५३ लाख टकामे ठेक्का देल गेल अइछ । नेपालथोकसँ बर्खेखोलाधैर चाइर दशमलव ९० किलोमीटर सड़क पुनर्निर्माणक लेल ६१ करोड़ टका (भ्याटसहित)मे निर्माण करएजका खरिढुङ्गा–घिसिङ–क्षितिज जेभीसँ ठेक्का सम्झौता कएल गेल अइछ ।

क्षतिग्रस्त खण्ड पुनर्निर्माणक लेल सरकार आठ अरब ५० करोड़ टका स्रोत सहमति देने अइछ । जइमध्ये काभ्रेपलाञ्चोकदिस तीन सड़कखण्डकेँ सात अरब ५० करोड़ आ सिन्धुलीके एक सड़कखण्डकेँ एक अरबके स्रोत सहमति देल गेल अइछ ।

जापान सरकारक अनुदान सहयोगमे आर्थिक वर्ष २०५३/०५४ सँ बिपी राजमार्ग (धुलिखेल–सिन्धुली–बर्दिबास १६० किमी सड़क) निर्माण काज सुरु कएल गेल छल । खण्डखण्ड विभाजन क निर्माण सम्पन्न राजमार्गके वि.सं. २०७२ असार १८ गते औपचारिक रूपमे जापान सरकार नेपाल सरकारकेँ हस्तान्तरण कएने छल । उक्त राजमार्ग केन्द्रीय राजधानी काठमाण्डूकेँ मध्यपहाड़ी तथा पूर्वी नेपालसँ जोड़एबला कम मार्गके रूपमे लेल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय