काठमाण्डू, ३ चैतः निर्वाचन आयोग इएह चैत ५ गते समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीसँ निर्वाचित भेल उम्मेदवारकेँ प्रमाणपत्र वितरण करबाक जनौलक अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसके निर्वाचन अधिकृत कृष्ण बहादुर राउतके कहब अनुसार इएह चैत ५ गते भोर ११ः३० बजे आयोग परिसरमे निर्वाचित भेल सांसदके प्रमाणपत्र वितरण कएल जाएत ।
राजनीतिक दलके दिससँ छनौट क पेस कएल गेल उम्मेदवारक विवरण सार्वजनिक करैत आयोग निर्वाचित भेल घोषणा कएने छल । राजनीतिक दलके दिससँ निर्वाचित भेल समानुपातिक सदस्यकेँ सक्कल नागरिकताके प्रमाणपत्र या राष्ट्रिय परिचयपत्र, दूप्रति पासपोर्ट साइजके फोटोसहितक विवरण आइ उपलब्ध करेबाक लेल आयोग आग्रह कएने अइछ ।
बितल फागुन २१ गते भेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे विभिन्न छ राजनीतिक दल राष्ट्रिय दलके मान्यता प्राप्त कएने अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी ५७, नेपाली कांग्रेस २०, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) १६, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) नौ, श्रम संस्कृति पार्टी चाइर आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी चाइर सिट प्राप्त कएने अइछ ।
जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ ६५ आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसक उम्मेदवारकेँ प्रमाणपत्र वितरण कएलाक बाद अइ बेरक निर्वाचन प्रक्रिया पूर्णता पाओत । रासस





