लागूऔषधसहित विभिन्न स्थानसँ २० गोटे गिरफ्तार


काठमाण्डू, ३ चैतः त्रिभूवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ तीन किलो १ सओ ६० ग्राम गाँजासहित दू गोटे भारतीय नागरिककेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

बैङ्ककसँ नेपाल एअरलायन्सके विमानमे आएल ओकरासभकेँ बितल राइत गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

केन्द्रीय प्रहरी समाचार कक्षके अनुसार चन्द्रागिरि नगरपालिका–२ नागढुङ्गासँ ब्राउन सुगरसहित एक गोटे, कञ्चनपुरके बेलौरी नगरपालिका–६ सँ एक गोटे, ओएह नगरपालिकाके सड़कघाट पीपल चौतारासँ तीन गोटे, वाड नं. ८ सँ दू गोटे, भीमदत्त नगरपालिका–११ सँ एक गोटेकेँ लागूऔषधसहित गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

तहिना, बर्दियाके बढैयाताल गाउँपालिका–७ सँ ब्राउन सुगरसहित दू गोटे, धनगढी उपमहानगरपालिका–२ बैयाबेहडीसँ दू गोटे, ओएह उपमहानगरपालिकाके त्रिनगरसँ तीन गोटे, रुपन्देहीके लुम्बिनी सांस्कृतिक नगरपालिका–६ रमवापुरसँ दू गोटे आ पोखरा महानगरपालिका–२ बागलुङ बसपार्कसँ एक गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल समाचार कक्ष जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय